गोपालगंज म' करेंट लगला सँ एक सेना के जवानक मृत्यु भ' गेल

गोपालगंज। 11 जून। गोपालगंज जिला के कटैया थाना क्षेत्र म' आय भोर करंट लगला सँ एक सेना के जवानक मृत्यु भ' गेल छैन्ह।

पुलिस सूत्र द्वारा पता चलल जे धनौती गाँव निवासी सेना केर जवान नित्यानंद प्रसाद (24) छुट्टी पर गाम आयल छलाह। ओ बाजार सँ अप्पन घर बनेबाक सामान ल' के आबैत घरी पहिने सँ टुइट के गिरल उच्च शक्ति केर विद्युत तारक चपेट म' आइब गेलाह, जाहि सँ हुनकर मृत्युआ भ गेलनि।

सूत्र  सँ पता चलल जे  जवानक मृत्यु के खबर मिलैते ग्रामीण सभ उग्र भ कटैया बाजार केर निकट शव के साथ सड़क जाम करी यातायात क' बाधित कए  देलखिन। ग्रामीण बिजली विभाग केर खिलाफ नारेबाजी केलाह। पुलिस आर प्रशासन के अधिकारी लोग सभ क' बुझेबाक प्रयास मे लागल छैथ। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने