ठनका गिरला सँ सगर बिहार म' 45 लोकक मृत्यु भेल, बहुतो घायल

सहरसा। 22 जून। कैलह मंगल दिन मॉनसूनक पहिल बारिश सँ जाहिठाम लोक के राहत भेटल ओतहि बहुतो रास परिवार पर आकाशीय बिजली कहर बनी टूटल। बिहार केर अलग-अलग जिला म' ठनका गिरला सँ कैलह सँ आय धरी 45 लोकक मृत्यु भ' चुकल अछि, आर बहुत लोक झुलैस गेल छथि। राज्य सरकार द्वारा मृतक केर परिजन क' 4-4 लाख टक्का देबाक घोसना भेल अछि। आपदा विभागक प्रधान सचिव व्यास द्वारा एहि के जानकारी देल गेल अछि।

देखू कुनु - कुन जगह ठनका गिरला सँ कतेक लोकल मृत्यु भेल अछि:

सहरसा - कासनगर, सोनबरसा म' ठनका गिरला सँ 2 लोकक मृत्यु भेल
पूर्णिया - के.नगर म' 2, भवानीपुर म' 2 लोकक मृत्यु भेल
समस्तीपुर - लखनपुर म' ठनका गिरला सँ एक बच्चा केर मृत्यु भेल
कटिहार - फलका के मोरसंडा म' ठनका गिरला सँ एक युवक केर मृत्यु भेल
भागलपुर - पीरपैंती म' ठनका गिरला सँ एक लोकक मृत्यु भेल
नालंदा - थरथरी म' ठनका गिरला सँ 4 लोकक मृत्यु भेल
औरंगाबाद - औरई, जमुआंबा, नवीनगर म' ठनका गिरला सँ 4 लोकक मृत्यु भेल
मुंगेर - संग्रामपुर के मझगाय म' ठनका गिरला सँ 2 लोकक मृत्यु भेल
गया - टेकारी के अलीपुर आर डुमरिया म' ठनका गिरला सँ 2 लोकक मृत्यु भेल
पटना - बिहटा के डुमरी म' ठनका गिरला सँ एक लोकक मृत्यु भेल
सारण - परसा म' ठनका गिरला सँ एक बच्चा केर मृत्यु भेल
बांका - शंभूगंज के पकरीया म' ठनका गिरला सँ एक लोकक मृत्यु भेल
कैमूर - नुआंव के सोनवर्षा म' ठनका गिरला सँ 2 लोकक मृत्यु भेल
सासाराम - अलग - अलग जगह पर 4 लोकक मृत्यु भेल 8 गोटा सँ बेसी ठनका स' झुलसी गेल छथि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने