23 मई। सहरसा के शान्ति भंग करबाक साजिश लगातार भ रहल अछि। कैल्ह रात्रि रिफ्यूजी कॉलनी (सुभाष चौक) पर सुभाष चन्द्र बोस केर प्रतिमा क' किछ अज्ञात लोग द्वारा तोइर देल गेल अछि। आय बिहान जखन ओहिठामक रहिवासी सब प्रतिमाक इ दुर्दशा देखलाह ते सब किया रोड पर उतैर खूब हंगामा केलाह। रिफ्यूजी कॉलनी के सब रहिवासी के पुलिस प्रसाशन सँ मांग छैन्ह जे जल्द सँ जल्द एहि घटना क' अंजाम देनिहार सब के गिरप्तारकायल जाय। मुदा इ की ? सहरसा म' एहि तरहक घटना दिन-ब-दिन बढ़ले जे रहल अछि आर पुलिस प्रसाशन एहि सब के रोकबाक लेल कुनु डेग उठेबाक बदला हाथ पर हाथ द' बैसल अछि।
__जितमोहन झा (जितू)
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।