बेगूसराय म' विजय माल्या सहित दू लोगक खिलाफ गिरफ्तारी वारंट

बेगूसराय के एक अदालत वर्ष 2006 के चेक बाउंसक एक मामला म' ब्रिटेन चल गेल कारोबारी विजय माल्या सहित आर दू लोगक खिलाफ गिरफ्तारी वारंट जारी करबाक आदेश देलक।

25 लाख टक्का के चेक बाउंस भेल छल
जिला के बरौनी थाना अंतर्गत तिलरथ गांव निवासी ठेकेदार रंजन कुमार  माल्या के कंपनी यूबीआई द्वारा केबल तार बिछेबाक लेल एक करोड़ 25 लाख टक्का के काज करेना छलाह, जकर बदला म' कंपनी द्वारा हुनका मात्र 25 लाख टक्का के एक चेक देल गेल, ओहो चेक बाउंस भ गेल छल।

बहुतो  सम्मन के बादो हाजिर नै भेल 
प्रथम श्रेणी न्यायिक दंडाधिकारी अमित आनंद विजय माल्या आर प्रोजेक्ट मैनेजर दीपक पालक  खिलाफ मामला के  सुनवाई करैत दुनु के  गिरफ्तारीक  लेल वारंट जारी करबाक निर्देश देलाह। अदालत एहि दुनु के खिलाफ पहिने कैको सम्मन जारी कायल गेल मुदा ओ हाजिर नै भेल छथ।

सब गोटा बुईझते होयब माल्या भारत छोइड़ क' ब्रिटेन चल गेल छैथ। हुनका पर  बैंकक  9400 करोड़ टक्का सँ बेसी के कर्ज छै।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ