समस्त मिथिलांचल वासी सँ एक अपील


नमस्कार श्रीमान,

महोदय, हमसब किछ नवयुवक /नवयुवती मिल एक संस्था के स्थापना क रहल छी, जेकर नाम छी मैथिल सेवा संस्थान। ओना ते एहि संस्थाक स्थापना 15 अगस्त 2015 के भेल, मुदा एखन धरि संस्थाक पंजीकरण प्रक्रिया पूरा नै भेल छैक ताहि लेल जाधरि पंजीकरण प्रक्रिया पूरा नै भ जाय कानूनन तौर पर संस्था कs स्थापित नै मैन सकैत छी।

चुकी १० सँ १५ दिन के भीतर संस्थाक पंजीकरण प्रक्रिया पूरा भजायत ताहि लेल "मैथिल सेवा संस्थान (टीम)" अपने कs एहि संस्था संग जुरबाक लेल आमंत्रित करैत अछि। हमरा सब कs अपनेक सहयोग प्राप्त होयत इ पूर्ण विश्वास अछि।

महासय कs कहे चाहब जे मैथिल आर मिथिला लेल हजारो संस्था चली रहल अछि। मुदा एहि संस्था केर उद्देश्य सब सँ हटी के छैक। ई संस्था सिर्फ डोनेसन प्राप्त करबाक उद्देश्य सँ नै अपितु संस्थाक सब सदस्य द्वारा मासिक 100/- रुपैया केर सहयोग राशि जमा करी मैथिल आर मिथिलाक लेल काज करबाक लेल बनल अछि।

सभ सदस्य द्वारा जमा कराओल गेल राशि संस्था निम्न मद में खर्च करत;

(क) रक्तदान शिविर,
(ख) बाल-वृद्धचि कित्सा शिविर,
(ग) शिक्षा स्तर लेल नेना सभ केर जागरूकता,
(घ) गृहउद्योग केर बढ़ाबा आ प्रचार -प्रसार,
(ङ) मैथिली चित्रकला केर विकाश आ प्रचार-प्रसार,
(च) असहाय मैथिलक कोनो तरहक गम्भीर उपचार लेल सहयोग,
(छ) छात्र सभ के संगे बेरोजगार मुक्ति लेल डिजिटल नौकरी केर तलाश करी ओहि संग जोरबाक प्रयाश।

चुकी इ संस्था नव अछि ताहि लेल बेसी किछ नै कहब, बस एतबा निहोरा करब जे अपने कम सँ कम एक बरख हमरा सब के संग दी। एहि एक बरख में संस्थाक रिजल्ट अपने खुद देख लेब।

संस्थाक विस्तृत जानकारी लेल निचा केर लिंक देखी:

वेबसाइट: www.maithilsevasansthan.org 
फेसबुकग्रुप: www.facebook.com/groups/maithilsevasansthan/ 
फेसबुकपेज: www.facebook.com/maithilsevasansthan/ 
ट्विटर: https://twitter.com/maithilssanstha 

अपनेक प्रतिउत्तर के हम सब राह जोहैत छी.......

टीम मैथिल सेवा संस्थान
सम्पर्क मोबाइल:+91 9546639240, 8809809172, 7666817725. 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने