ल रिमोट के हाथ म
आब बैन गेलहुं ओपरेटर
हमरे अछि भिसियार टीबी,
हमरे अछि जनरेटर!
हमरे हाथ में दुनियां अछि,
सब हमर हाथक कठपुतली,
जिम्हर घुमेबई ओम्हरे घुम्तई
अछि हमरा हाथ में शुतली!
ओतबे चलतै, जतेक दबेबई
पैर तरक एक्सलेटर,
ल रिमोट के हाथ में देखू
आब बैन गेलहुं ओपरेटर!
कुकुर सन अध्मौगैत सब दिन
मुदा आई बनल छि ढीठ,
अन्हरा कुकुर माड़े तिरपित,
चटैत पुलौसी खीरक मीठ!
गैढ़ पढैया की आदर दैया
सब मिल कहै भप्लेटर
ल रिमोट के हाथ में देखू,
आब बैन गेलहुं ओपरेटर!
मोन भेटल अछि भरना पर
नै अपना पर अछि काबू,
हमरा सन नै काबिल कियो,
नै हमरा लग कियो बाबु!
चढल गुमान मुहं छुटल लगाम
लिखैछी मोन के लवलेटर
ल रिमोट के हाथ में देखू,
आब बैन गेलहुं ओपरेटर!
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।