प्राप्ति -
किया रहितो सब किछ,
कुछी के कमी खलैया जिनगी में!
कुछी के पूरा भेला पर
तैयो रैहजैया कुछी कमी जिनगी में!
समटैत आगू, राखैत पाछू,
सबटा छुइट गेल पाछु जिनगी में!
नै कुछी बांचल पाछू तैयो
कियो पाछू छोरलक नै जिनगी में!
आब हमहूँ पाछू -2 घूमी
किनकर घूमी सोचैत छि जिनगी में!
ठईन लई छि जकरे पाछू
कैलह बदनाम भ जाइय जिनगी में!
अपने सोच के पाछू फेर
पुछई छि सभक सहमती जिनगी में!
नीक-बेजाय कुछी कहैया
कुछी खीचैया टांग पाछू जिनगी में!
ककरा की कहियो सब त
अछि अपने चिन्हार पाछू जिनगी में!
सभक दोष अपने शिर ल
कह्बेलहूँ दोषी बरका आए जिनगी में!
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।