बाल कविता
मुदा किछु तँ करू
------------------------------
मुदा किछु तँ करू
बरू फुटले डाबामे पानि भरू
मुदा किछु तँ करू
ई मोन थिक रखबाक
जे नै थिक केखनो रुकबाक
नै शेर तँ सियारेसँ लड़ू
मुदा किछु तँ करू
बाट पाटल होइक
रूइसँ की सूइसँ
फूलसँ की शूलसँ
सदिखन अपन धुनिमे बढ़ू
मुदा किछु तँ करू
पाँछा पलटि ताकू मुदा जरूरति भरि
थाकि रुकबो करू मुदा जरूरति भरि
नै केखनो कोनो फेरमे पड़ू
मुदा किछु तँ करू
मुदा किछु तँ करू
------------------------------
मुदा किछु तँ करू
बरू फुटले डाबामे पानि भरू
मुदा किछु तँ करू
ई मोन थिक रखबाक
जे नै थिक केखनो रुकबाक
नै शेर तँ सियारेसँ लड़ू
मुदा किछु तँ करू
बाट पाटल होइक
रूइसँ की सूइसँ
फूलसँ की शूलसँ
सदिखन अपन धुनिमे बढ़ू
मुदा किछु तँ करू
पाँछा पलटि ताकू मुदा जरूरति भरि
थाकि रुकबो करू मुदा जरूरति भरि
नै केखनो कोनो फेरमे पड़ू
मुदा किछु तँ करू
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।