किछु गद्य कविता
१
नेता, कुकुर आ साहित्यकार तीनू बान्हल अछि खुट्टामे। नेता भ्रष्टाचारक खुट्टामे, कुकुर अपन चालिकेँ खुट्टामे आ साहित्यकार नेता आ कुकुर दूनूक खुट्टामे।
२
शङ्का
शङ्का चारि प्रकारक होइत छै,
आशंका
लघु शङ्का
दीर्घ शङ्का
अस्तित्व शङ्का
अहाँ कोन शङ्कासँ ग्रस्त छी ??????
३
संबंध
नेता हो तँ अफजल जकाँ जे संसदकेँ नीक लगैए। अभिनेता हो तँ संसद जकाँ जे वास्तविकताकेँ नुकबैए।
४
वाद
भूख की होइत छैक। यथार्थ की कल्पना ? अथवा एकरा एना कहिऔ जे भूखकेँ कोन वादमे बन्हबै ?
यथार्थवाद
तदर्थवाद
अभिव्यंजनावाद
नवचेतनावाद
वा की ??????????????.......
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।