के पतियाएत
ई कएकरा कहु
सभक आँखिमे
पसि कए कोना रहु
सदिखन आँगुर
हमरेपर उठल
कतेक परीक्षा
आबो सहु
जतए ततए हमहीँ
लूटल गेलहुँ
घर बाहर सभतरि
हमहीँ
ठकेलहुँ
हम नारी नहि
नरकेँ भोग्या
सबदिन हमहीँ
जितल गेलहुँ
झूठ्ठे घर-घर
पूजल जाइ छी
मुड़ी मचौरि हम
भोगल जाइ छी
आबू रावण
बनि भाइ हमर
रामसँ पाछू
छुटल जाइ छी
|
*****
जगदानन्द झा ‘मनु’
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।