प्रथम दिन -
नारी दिवसके अवसरपर अन्तरक्रिया कार्यक्रम
महिला अधिकारके वात भाषणैमे सिमित राखलाके कारण अखनो धरि महिला सभ पिछडल अवस्थामे रहल काईल वृहस्पति दिन आयोजित एक कार्यक्रमके वक्तासभ वतौने अछि । अन्तर्राष्ट्रिय नारी दिवसके अवसरमे क्रेस नेपालद्वारा सप्तरीके पातोमे आयोजित सभामे ओ सभ महिला अधिकारके वात ब्यवहारमे लागु नै भेल आ पुरुषसभ महिलाके आगा वढवैके लेल सहयोगी भुमिका नहि केलक कहैत असन्तुष्टी ब्यक्त केलैन ।
कार्यक्रममे अगुवा महिला ललिता राम–महिलाके काममे पुरुषके सहयोग नहि रहलासं ओ सभ घरेलु कामकाजे मे सिमित रहल वतौलेन ।
क्रेस नेपालके उपाध्यक्ष गंगाप्रसाद रामके अध्यक्षता आ मंजुला खातुनके प्रमुख आतिथ्यमे आयोजित सभामे शिक्षीका मञ्जु श्रेष्ठ प्रजनन् अधिकारके पहिल हकदार महिला रहल वतौलेन । कार्यक्रममे महिला अधिकारकर्मी जानकीदेवी सादा, दिना भद्री सामुदायिक संस्था पातोके चन्द्रीका सदा, लक्ष्मी महिला सामुदायिक संस्था भुतहीके यज्ञदेवी राम, ईन्सेक प्रतिनिधि मनोहर पोखरेल, पशुसेवा केन्द्र पातोके राजलाल पण्डित, सुखाई विश्वकर्मा लगायतके वक्तासभ मन्तब्य ब्यक्त केने छल ।
अहिना १०३औं अन्तराष्ट्रिय नारी दिवके अवसरमे दहेज मुक्त मिथला नेपालद्धारा राजविराजमे सेहो एक कार्यक्रम भेल छल । आयोजक संस्थाक अध्यक्ष करुणा झाके अध्यक्षता आ सहायक सिडियो विश्वराज औझाके प्रमुख अतित्थ्यमे सम्पन्न कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासंधके अध्यक्ष धिरेन्द्र प्रसाद साह ,सचिव राजेश झा , एकिकृत माओवादिके जिल्ला संयोजक उमेस यादव, तराई मधेस लोकन्त्रीक पार्टीके रामप्रित यादव , सदभाबना पार्टिके किशोर कुमार यादव, नागरिक समाजके थान सिंह भन्साली राजनिकि दलके भोगेन्द्र चौधरी, सहितके व्यक्तिसभ मन्तव्य व्यक्त केने छल ।
कार्यक्रममे महिला हिंसा अन्त्य करैके लेल कैहनो काज करैल हमसभ तयार रहव कहैत उपस्थित राजनितिक दल, प्रसासनिक निकायके प्रतिनिधी नागरीक समाज, सञ्चारकर्मी सहितके उपस्थित सभ ६ वुदे प्रतिवद्धता पत्रमे हस्ताक्ष्ँर समेत केने अछि ।
दोसर दिन -
१०३म. विश्व नारी दिवस मनाओल गेल
१०३म् अन्तर्राष्ट्रीय नारी दिवसके अवसरमे महिला तथा बालबालिका कार्यालय आ आबद्ध संस्थासभद्वारा आई राजविराजमे बृहद ¥याली आ सभाके आयोजना कएल गेल अछि ।
शिव मन्दिर प्राङ्गणसं निकलल ¥याली महिला हिंसा विरुद्धके नारा बाजी करैत नगरपरिक्रमा कएने छल ।
बलात्कारीके फांसि दियौं, सभहक इच्छा बेटीके शिक्षा, घरमे होमयबाला हिंसा अन्त करु लगायतके नारा सहितके ¥याली जिविस सभाकक्षमे पुगि सभामे परिणत भेल छल ।
महिला तथा वालवालिका कार्यालयके प्रमुख देवकी न्यौपानेके अध्यक्षता आ सहायक सिडिओ विश्वनाथ ओझाके प्रमुख आतिथ्यमे सम्पन्न भेल कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासंघ सप्तरीके अध्यक्ष धिरेन्द्र साह, दहेज मुक्ता मिथिलाकी अध्यक्ष करुणा झा, सचिव साधना झा, प.वि.उ.मा.विके प्राचार्य मिना ठाकुर, ऐट नेपालके अध्यक्ष किशोर कुमार यादव केसी आ पत्रकार चन्दन यादव समेत बाजल छल ।
ओहि कार्यक्रममे दहेज मुक्त मिथिलाके आयोजनामे दहेजके विरुद्धमे मैथिली नाटक “दहेजक परिणाम” समेत मञ्चन केने छल । बेटीके दहेज देबके बाध्यता सं कतेको गरिब बाप माई आपन बेटीके अभिश्रापके रुपमे देखैके संकेत करैत ओहिके समाप्तीके लेल बेटा सरह बेटीके भी शिक्षा आवश्यक रहल नाटकद्वारा संदेश देल गेल छल ।
नाटकमे साधना झा, भुपेन्द्र मण्डल, अनु मेहता, अन्जु यादव, प्रतिभा झा, आयूष झा, पंकज मण्डल, सन्जु यादवके व्यक्तिसभ रोचक अभिनय प्रस्तुत केने छल ।
करुना झा
Rajbiraj-7,
Saptari
Mobile
No.k~ 977-9842822417
DPHO,
saptari
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।