कथा अमर अपन मिथिलाकेँ
एकरा जुनि बिसरू |
समस्त संसार मैथिलीमय हुए
आब ओ दिन सुमरु ||
एकरा जुनि बिसरू |
समस्त संसार मैथिलीमय हुए
आब ओ दिन सुमरु ||
बहुत पिसएलहुँ सत्ताक जाँतमे
आब जुनि पिसल जाउ |
बहुत पछुएलहुँ पाँछा चलि कए
आबो आगु डेग बढाउ ||
निरादर किएक माएक भाषाकेँ
एकरा जुनि बिसराउ |
आबो जागू होश सम्हारु
मैथिलीकेँ बचाउ ||
उठू सुतल शिंह जगाबु
अपन स्वाभिमानकेँ |
आसमानसँ ऊँच उठाबू
अपन मिथिलाक पहचानकेँ ||
*****
जगदानन्द झा 'मनु'
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।