देख मुह मूंगबा बहुतो बटाई छै
नाम ककरो गरीबक नहि सुहाई छै
चाहि निर्धन कए नहि योगरा बाबा
पेट भरि जाइ सब दीनक दबाई छै
मीठ भाषण बरख पाँचे कते दै छै
जीत केँ बाद नेतो सब नुकाई छै
घूस खा 'खा ' क ' बनलै भोकना पारा
आन दमड़ी सँ चमड़ी बड चबाई छै
भ्रष्ट नेता घुमे बीएमडब्लू में
एखनो हक गरीबक 'मनु' बटाई छै
(२१२२ १२२२ १२२२, बहरे-मुशाकिल )
जगदानन्द झा 'मनु' : गजल संख्या - ५७
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।