नहि हम कागजक आखर जानि पएलहुँ
नहि हम अहाँक करेज में सनि पएलहुँ
आब कें पतियाएत हमर मोन कें कनिको
अहाँ तs नहि केखनो हमर बनि पएलहुँ
बिन पानिक गति जेना माछक होएत छैक
ओहे गति हमर, हम नहि कानि पएलहुँ
अपन देश छोडि कs परदेश जा बसलहुँ
सुन्नर यादि छोडि नहि किछु आनि पएलहुँ
बर्खो-बर्ख हम रहलहुँ दूर परदेश में
एकरा कें अपन मनु नहि मनि पएलहुँ
(सरल वार्णिक बहर,वर्ण-१७)
***जगदानन्द झा 'मनु'
नहि हम अहाँक करेज में सनि पएलहुँ
आब कें पतियाएत हमर मोन कें कनिको
अहाँ तs नहि केखनो हमर बनि पएलहुँ
बिन पानिक गति जेना माछक होएत छैक
ओहे गति हमर, हम नहि कानि पएलहुँ
अपन देश छोडि कs परदेश जा बसलहुँ
सुन्नर यादि छोडि नहि किछु आनि पएलहुँ
बर्खो-बर्ख हम रहलहुँ दूर परदेश में
एकरा कें अपन मनु नहि मनि पएलहुँ
(सरल वार्णिक बहर,वर्ण-१७)
***जगदानन्द झा 'मनु'
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।