हमर गाम-प्रवीण झा

उत्‍तर मे अछि डेवढ., फुलपरास
दक्षिण, पश्चिम सुदै, तरडीहा
पूब में बहै छ‍थि मातु कौशिकी
मध्‍य हमर गाम घोघरडीहा

पूर्वकाल मे गोमाताक डीह तेँ
नाम एकर छल “गोघरडीहा”
कालक्रमे अपभ्रंश शब्‍द मे
नाम बदलि भेल “घोघरडीहा”

मधुबनी जिलाक ई थिक गौरव
पुष्‍पवाटिका मे जेना चम्‍पाक सौरभ
अतिरूद्र, लक्षचण्‍डी यज्ञक महाप्रयाण
हमर गाम कहायल “यज्ञग्राम”

सन् 89 क महायज्ञकेँ अभिनन्‍दन
स्‍तुति केलक बी.बी.सी. लंदन
चौबिस मन्दिर, तेइसटा पोखरि
बाग-बगीचा भेटत सभतरि

दलाने-दलान सत्‍संग आ प्रवचन
दुर्गापूजा मे नाटक आ प्रहसन
“काली”, “दुर्गा”, “भोला बाबू”
फेर सँ ओहने यज्ञ कराबू


रेलवे स्‍टेशन, हाट-बाजार
हमरा गामक जमल व्‍यापार
सत्‍यनारायण सर्राफ, फूस सुल्‍तानियॉं
मारवाडी बंधु आ देशवाली दोकानियॉं

अधिसूचित क्षेत्र, प्रखंड मुख्‍यालय
आई.टी.आई, स्‍कूल, महाविद्यालय
राजनीति आ ज्ञान-विज्ञान
रहन-सहन आ खान-पान


शिक्षा-दीक्षा, कला-संस्‍कृति
हमर गाम वास्‍तविक अनुकृति
सब सँ सुन्‍दर अछि महान्
हमर गाम आ मिथिलाधाम ।

4 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. उत्‍तर में अछि डेवढ., फुलपरास
    दक्षिण, पश्चिम सुदै, तरडीहा
    पूब में बहै छ‍थि मातु कौशिकी
    मध्‍य हमर गाम घोघरडीहा

    पूर्वकाल में गोमाताक डीह तेँ
    नाम एकर छल “गोघरडीहा”
    कालक्रमे अपभ्रंश शब्‍द में
    नाम बदलि भेल “घोघरडीहा”

    मधुबनी जिलाक इ थिक गौरव
    पुष्‍पवाटिका में जेना चम्‍पाक सौरभ
    अतिरूद्र, लक्षचण्‍डी यज्ञक महाप्रयाण
    हमर गाम कहायल “यज्ञग्राम”

    सन 89 क महायज्ञकेँ अभिनन्‍दन
    स्‍तुति केलक बी.बी.सी. लंदन
    चौबिस मन्दिर, तेइसटा पोखरि
    बाग-बगीचा भेटत सभतरि

    स्‍कूल-कॉंलेज, हाट-बाजार
    हमरा गामक जमल व्‍यापार
    सत्‍यनारायण सर्राफ, फूस सुल्‍तानियॉं
    मारवाडी बंधु आ देशवाली दोकानियॉं

    शिक्षा-दीक्षा, कला-संस्‍कृति
    हमर गाम वास्‍तविक अनुकृति
    सब सँ सुन्‍दर अछि महान्
    हमर गाम आ मिथिलाधाम ।

    bah

    जवाब देंहटाएं
  2. हमर रचित एहि 'हमर गाम' कविता केँ एकटा फेसबुक चोर मनीष कुमार झा चोरा क' घोघरडीहा नामक फेसबुक ग्रुप बना क' ओहिठाम बाइनरक रूप में लगौने अधि, जकरा लेल नहि त' ओ हमरा सँ पूर्वानुमति लेलक आ नहि एहि जालवृत्तक व्यवस्थापक सँ । --- प्रवीण झा, ग्राम+पोस्ट- घोघरडीहा, वार्ड सं-8 (पुबारि टोल), जिला- मधुबनी ।

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने