मिथिलाक खानपान-नीलिमा चौधरी आ राखी साह

१. नीलिमा चौधरी 

मखानक खीर

सामग्री- दूध-१ १/२ किलो, चिन्नी-१०० ग्राम, मखान कुटल- १०० ग्राम, इलाइची पाउडर- स्वाद अनुसार, काजू- १० टा, किशमिश-२०टा

बनेबाक विधि- मखानक पाउडर (कनी दरदरा)क पहिने १/२ किलो ठंढ़ा दूधमे घोरि लिअ, शेष दूध केँ खौला लिअ। आब गर्म दूधमे ई घोड़ल मखानक मिश्रण मिला दियौक आर करौछसँ लगातार चलबैत रहियौक जाहिसँ मिश्रण पेनीमे बैसय नहि। जखन खौलय लागय तँ ओहिमे चिन्नी, काजू, किशमिश सभ दऽ कय अन्तिममे इलाइची पाउडर खसाऽ कऽ मिलाऽ कऽ उताड़ि लिअ। मखानक खीर तैयार अछि।

नोट:- मखानकेँ सुखलो भुजि कऽ कुटि सकैत छी वा घीमे सेहो भूजि कए कूटि कऽ पाउडर बना सकैत छी।

मेथीक परोठा

सामग्री:-आटा-२५० ग्राम, बेसन-१०० ग्राम, रिफाइन-२५० ग्राम, मेंथी साग-५०० ग्राम, हरिअर मेरचाइ-४टा, आदी- १ इन्चक टुकड़ा, धनी-पात आऽ नोन-अंदाजसँ।

विधिFont size- मेंथीकेँ साफ कऽ कए धोऽ लिअ। मेंहीसँ काटि कए लोहियामे कनी तेल दऽ कय मेंथी पात खसा दियौक। कनी भाप लागि जाय तँ ओहिमे काटल हरियर मेरचाइ, आदी घसल, धनी-पात काटि कय आऽ नून मिला कय एहि मिश्रणकेँ बेसन फेँटल आँटामे मिला दियौक। आँटाकेँ कनेक कड़ा कऽ सानि लिअ। पराठा बेल कए तवापर कम आँचपर रिफाइन लगा कए सेकि लिअ। खास्ता मेथीक पराठा तैयार भऽ गेल।

नोट:- अहाँ काँच मेंथी पात कऽ मेंही काटि कऽ, पियाजु सभ मिला कऽ सेहो आँटा सानि सकैत छी।

मुगलई कोबी

सामग्री:-कोबीक टुकड़ा-१/२ किलो, पियाजु महीन काटल-१कप टमाटर, कद्दूकस कएल-१ कप, हरियर मेरचाइ-आदीक पेस्ट-१ चम्मच, नून स्वादानुसार, लाल मिरचाइक पाउडर-१/२ चम्मच, धनियाँ पाउडर-१ चम्मच, हरदि- १ चम्मच, गर्म मसल्ला-१/२ चम्मच, अमचूर-१/२ चम्मच, जीर-१/२ चम्मच, मलाई-१/२ चम्मच, टोमेटो सॉस- १ चम्मच, रिफाइन तेल-२ चम्मच।

विधि:- कोबीक टुकड़ा धोऽ कऽ चालनिमे आधा घंटाक लेल राखि दियौक, जाहिसँ एकर पानि निकलि जाय। फेर लोहियामे तेल गर्म कऽ कोबीकेँ हल्का गुलाबी फ्राइ कऽ लिअ आर एकटा पेपरपर निकालि लिअ, जाहिसँ तेल निकलि जाय। एक पैनमे तेल ढारू। ओहिमे जीर दऽ कए पियाज आऽ आदीक पेस्ट दऽ कय भुजि दियौक। आब सभ टा मसल्ला दऽ कय कनी देरमे आर भुजियौक। मलाएकेँ मैश कऽ दऽ दियौक, सॉसकेँ सेहो दऽ दियौक आर नीकसँ मिला दियौक। आब एहिमे कोबीक टुकड़ा दऽ कय चम्मचसँ मिला दियौक। फेर एक बाउलमे ओकरा निकालि कऽ ऊपरसँ गरम मसल्ला आर धनियाँ (धनी) पात सजा दियौक आर पड़सि लिअ।

केसर पुलाव

सामग्री:- २ कप बासमती चावल, १ कप मटरक दाना, १ टुकड़ा दालचीनी, १ बड़ी इलायची, ४ टा लौंग, ४ कप पानि, २ टेबुल स्पून घी, १/२ केसर, २ टीस्पून गरम पानि, एकटा पियाजु लम्बा-लम्बा काटल, १ टी स्पून जीर, २ टी स्पून नून।

विधि:-केसरक गरम पानिमे फुलइ लेल दऽ दियौक। चाउरकेँ नीकसँ धोऽ कए फुलइ लेल दऽ दियौक। चाउरकेँ नीकसँ धोऽ कऽ फुलय लेल दऽ दियौक। कुकरमे घी गरम कऽ कए ओहिमे प्याज दऽ कए ब्राउन होय धरि फ्राइ कऽ कए प्लेटमे निकालि लिअ। आब एहि गरम घीमे दालचीनी, जीर, इलाइची, लौंग आर नून दऽ दियौक। मटरकेँ दऽ कए कनी चलाऊ आर चाउरकेँ पानिसँ निकालि अहीमे दऽ दियौक। ऊपरसँ पियाजु आ केसर सेहो दऽ दियौक। ४ कप पानि दऽ कय एक सीटी आबए तक पकाऊ। गरम-गरम केसर पुलाव, रायता वा कोनो रसगर तरकारी संग खाऊ।

मूरक परोठा

सामग्री:- आँटा-२५० ग्राम, बेसन-१०० ग्राम, मूर-२५० ग्राम, रिफाइन तेल-१०० ग्राम, जमाइन-मंगरैल-अंदाजसँ। आदी-१ इन्च टुकड़ा, धनी-पात-दू डाँट, हरियर मेरचाइ ४ टा, नून- अंदाजसँ।

विधि:- मूरकेँ धोऽ कऽ कद्दूकस कऽ लिअ। लोहियामे कनी तेल दऽ दियौक। गर्म भेलापर ओहिमे मूर आ सभ मसल्ला खसा दियौक आ ढ़क्कनसँ झाँपि दियौक। कनी भाप आबि जाएत, ओकरा निकालि कऽ ठंढ़ा हेबय दियौक। आब एहि मिश्रणमे नून मिला कय बेसन मिलल आँटामे मिला कऽ सानि लिअ। गोल-गोल पातर-पातर बेल कऽ ताबापर दुनू दिस रिफाइन लगा कए सेकि लिअ। मूली पराठा तैयार भऽ गेल।

मूरक परोठा बनेबाक एकटा आर विधि अछि, अहाँ मूलीक कद्दूकस कऽ कए ओहिमे सभ मसल्ला मिला लिअ। आब ओकड़ा गाड़ि कए एक दिस राखि लिअ। आब आँटाक गोलीमे थोड़े मूलीक मिश्रण लऽ कऽ नून मिला कऽ भरि लिअ आ बेल कऽ ताबापर रिफाइन दऽ कऽ सेकि लिअ।

नोट:-एहि तरहेँ काँच अनरनेबा आ बन्धा कोबीक परोठा सेहो बना सकैत छी ।


२. राखी साह



1. नारिअल लड्डू

शामागरी-:
शुजी (रवा) २५० ग्राम ,
चीनी २५० ग्राम ,
नारिअल (पानी वाला) १ पिश
घी १०० ग्राम,
इलाची ४/५ पिश ,काजू , किशमिश २५ ग्राम /
बिधि -:
शुजीमे घी डालि कए शुजी कनी काल भूजू , फेर ओहिमे नारिअल (कडू कएल ) द' कए कने काल आर भुजू आ भुजू (कने लाल हेबा धरि) लाल भेलाक बाद गेश बंद क' दिअ / फेर एक कराही मे चीनी , कने पानी ( चीनी भीगइ बराबर ) ल ' क' पाक तैयार करू / तैयार भेलाक बाद गेश बंद करू आ ओहिमे तैयार कएल मिश्रण ध' क' साथमे काजू , किशमिश आ इलाइची द' क' झापि दिअ / १०/१५ मिनिट बाद कनेक मिला दियौक / दूध मिलेलाक बाद १:१५/२:०० घंटा तक झापि क' राखू / २:०० घंटा क बाद गोल - गोल लडू हाथ से तैयार करू / लडू तैयार ...........


2. स्प्राउट मुंग पराठा

सामग्री  :-
सूजी २ कप
मैदा १ पैघ  चम्मच 
घी १ पैघ  चम्मच 
दही १ पैघ  चम्मच 
नमक १/२ चम्मच 
अंकुरित मुंग २०० ग्राम 
गरम मसाला १ छोट चम्मच 
चाट मसाला १/२ चम्मच 
अदरक - लहसनक  पेस्ट १ छोट  चम्मच 
तरीका :-
शुजी में मैदा , घी , नमक आ  दही मिलाऊ  /फेर  फिर आटाके  १ आलग बर्तन में गूंघ क'  15 मिनट्स लेल झापि कए राखि दिअ / अंकुरित मुंगकेँ थकुचि लिअ आ एहि मे आदी लहसुनक पेस्ट , नमक , चाट मसाला मिळा लिअ  / आब शुजी के मिश्रण आ आटा (सानल  ) दुनू मिला कए फेरसँ गुथि लिअ आ ओकर  लोइया बना लिअ , प्सभ लोइया में मूंगके मिश्रण भरि लिअ आ तावामे सेक लिअ /
आब सॉस वा बटरक संग परसू।

 

4 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. नीलिमाजी....

    मैथिल आर मिथिलामे अपनेक स्वागत अछि ! अपनेक रचना (मिथिलाक खानपान) ब्लॉगक लेल एक निक पहल अछि, आशा अछि जकरा अपने जारी राखब ! आ उम्मीद अछि अपन मिथिलाक माँ , बेटी जे भानस घरक ई कला नै जानैत हेती हुनका अपनेक रचनासँ लाभ मिल्तैन ! सच पुछू तेँ अपने रचना खाली पैढ़ के मुंह मs पैन आबी गेल, मखानक खीरक स्वाद केहेन हेत से सभ ब्लॉग प्रेमी बंधूगन महसूस करैत हेता .....

    जवाब देंहटाएं
  2. नीक प्रस्तुति, ब्लॉगक एक पक्ष जे खाली रहए से भरि गेल।

    जवाब देंहटाएं
  3. Wah-wah, Mithila k vividh vyanjan banebaak vidhi sahit ehen sundar prastuti k k Nilima jee sarahniy kajj kelathi achi. Asha achi aguo appan bhasha me neek neek vyanjan banebaak vidi sikhabaak mauka bhetat.

    PRAVIN JHA.

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने