नीक लोक ओ
जे रहैत छैक ईमानदार
बेइमानी जखन धरि
जे रहैत छैक ईमानदार
बेइमानी जखन धरि
रहैत अछि नुकायल
नीक लोक ओ
जे रहैत छैक सत्यवादी
पकड़ल नहि जाइत छैक
जखन धरि झूठ
नीक लोक ओ
जे रहैत छैक संस्कारी
जखन धरि आगू नहि
आबैत अछि राक्षसी प्रवृति
नीक लोक ओ
जे रहैत छैक विश्वासी
जखन धरि मुंह नहि
खोलैत अछि धोखा पाउल लोक
नीक लोक ओ
जे नहि करत अश्लील गप
जखन धरि आगू नहि
आबैत अछि कामक प्रस्ताव
नीक लोक ओ
जे करत लोक संग मीठ गप
जखन धरि आगू नहि
आबैत छैक प्रताड़ित पत्नी.
नीक लोक ओ जे रहैत छैक सत्यवादी पकड़ल नहि जाइत छैक जखन धरि झूठ
जवाब देंहटाएंbah
oh mon mast bha jai ye ee blog dekhi kay,नीक लोक ओ
जवाब देंहटाएंजे रहैत छैक ईमानदार
बेइमानी जखन धरि
रहैत अछि नुकायल
नीक लोक ओ जे रहैत छैक सत्यवादी पकड़ल नहि जाइत छैक जखन धरि झूठ
नीक लोक ओ जे रहैत छैक संस्कारी जखन धरि आगू नहि आबैत अछि राक्षसी प्रवृति नीक लोक ओ जे रहैत छैक विश्वासी जखन धरि मुंह नहि खोलैत अछि धोखा पाउल लोक नीक लोक ओजे नहि करत अश्लील गपजखन धरि आगू नहि आबैत अछि कामक प्रस्ताव
नीक लोक ओ जे करत लोक संग मीठ गप जखन धरि आगू नहि आबैत छैक प्रताड़ित पत्नी.
ठीके कहलहुँ विनीत जी। हवा एहने बहल अछि आइ काल्हि।
जवाब देंहटाएंबड्ड नीक भावना बिन्दु सभ। संवृत सोच आ भावनाक स्फुरण।
जवाब देंहटाएंएक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।