बौवा, कहिया आयब गाम यौ ?

बाट जोहि जोहि ,
मोन ऐछ थाकल ,
मुंह देखे लेल,
मोन ऐछ लागल,
बौवा, कहिया आयब गाम यौ ?

बीटल बसंत पंचमी, आ,
गेल होली कहिया नै ,
सब पाबैइन अहाँ बिनु बीतल ,
कुन कुन के लिय नाम यौ,
बौवा, कहिया आयब गाम यौ ?

सहर्षा बाला काका एला,
दुमका बला आईब क गेला,
कहिया आयत अहांके बेटा,
सब पूछैत ऐछ, सब ठाम यौ,
बौवा, कहिया आयब गाम यौ ?

पाहिले लिखित छलों चिट्ठी-पत्री,
कखनो पठ्बैईत छलौं सनेश,
आब त फ़ोन पर,
क लैएत छी छोट सन राम राम यौ,
बौवा, कहिया आयब गाम यौ ?

मानल, परदेस बहुत कमेलौं,
हमरो सब लेल खूब पठेलौं,
मुदा माय-बाप के प्रेम सन पैघ,
के द देत दाम यौ,
बौवा, कहिया आयब गाम यौ ?

कलम-गाछी , अंगना-दालान,
बिनु अहाँ, सब सुनसान,
गाछ मजरल, बाट ताके लगलौं,
आब त पाईक रहल ऐछ आम यौ,
बौवा, कहिया आयब गाम यौ ?


आय मिथिलांचल के हेरेक माँ , अपना बौवा सन येह पूईछ रहल छाई.......



5 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. माँ के ममता सs सराबोर इ कविता

    "बौवा, कहिया आयब गाम यौ"

    बहुत निक लागल संगे अपने'क लेखनी लाजबाब अछि, अहिना मैथिल और मिथिला के लेल लीखैत रहू !!
    हमर शुभ-कामना अपने के संग अछि !!

    जवाब देंहटाएं
  2. dhanvaad jeetu jee,
    ham prayaas mein chhee je kichh vyangya seho ahan sab lel prastut karee, home woek chail rahal aichh.

    जवाब देंहटाएं
  3. आत्मासँ हृदयसँ लिखल एहि ब्लॉगक सभ पद्य हृदयकेँ छुबैत अछि।

    গজেন্দ্র ঠাকুব

    जवाब देंहटाएं
  4. सहर्षा बाला काका एला,
    दुमका बला आईब क गेला,
    कहिया आयत अहांके बेटा,
    सब पूछैत ऐछ, सब ठाम यौ,
    बौवा, कहिया आयब गाम यौ ?

    पाहिले लिखित छलों चिट्ठी-पत्री,
    कखनो पठ्बैईत छलौं सनेश,
    आब त फ़ोन पर,
    क लैएत छी छोट सन राम राम यौ,
    बौवा, कहिया आयब गाम यौ ?
    wah

    जवाब देंहटाएं
  5. bahut nik lagal aaha k kavita su k ahena lagal rahoo mithila k naam aanhi sab rosan karab

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने