चलू किछ बात करी

बिना बात - चित के परिवारिक रिश्ता म करुवाहत आम बात अछि ! इये करुवाहत जन्म दै य अवसाद आर तनाव जेहेंन परेशानी क ! जरुरी अछि की परिवार के सब सदस्य स्वस्थ माहोल म किछ देर बैस क बातचीत करी ! एक दोसर स बात बाँटी ताकि रिश्ता टुकरा म बटे स बचे ! आई समाज के लगभग हर परिवार के सदस्य म तनाव देखई लए मिले य ! बेटा बाप स, बेटी माँ स, पत्नी पति स, त भाई बहिन स रुसल रहेत छैथ ! इ सब समस्या के मूल कारण अछि की किनको पास दु घडी बैस कए बातचीत करै के फुरसत नै छैन ! हम सब टीवी या अपन - अपन कमरा तक सीमित भेल जे रहलो य ! परिवार के बिच संवादहीनता परसल अछि जकरा कारण हम सब एक दोसर के भावनात्मक रूप सए वंचित छी ! माँ - बाबूजी आर बच्चा सब के बिच म एक शून्य उत्पन्न भेल जे रहल अछि ! माँ - बाबूजी बच्चा सब स अनावश्यक बातचीत करब नै चाहेत छैथ ! खाली जरुरी बात पुइछ क रैह जाई छैथ ! जखन की माँ - बाबूजी क बच्चा के हरेक बातक जानकारी होनै चाही ! बच्चा पर ध्यान राखब हर माँ - बाबूजी के फर्ज होई छैन ! जातक आहा अपन बच्चा स बात चित नै करबे त ओ अपने क अपन मन के बात कोना बतेत ? खाश के क युवावस्था प्राप्त करे बला आहा के बच्चा के लेल इ परम आवश्यक अछि की आहा हुनका स बात चित करैत रहू ! ताकि अपने क पता चले ओ कते जैत छैथ, की पहिनैत छैथ, हुनकर के के संगी - साथी छैन आर हुनकर कथी कथी म रूचि छैन इ सब जानकारी राखब हर माँ - बाबूजी के लेल परम आवश्यक अछि ! माँ - बाबूजी के फर्ज छियेंन की ओ अपन जायज बात बच्चा क बताबैथ ! अगर अपने गृहिणी छी त आई दिन म आहा की सब काज केलो, के के दिन म एलेथ आदि चर्चा सब करबाक चाही ! कतेक बेर त देखल गेल य की पत्नी - पति आपसे मए एक - दोसर क नै जानैत छथिन ! किये की ओ आपस म एक - दोसर के बिच कुनू चर्चा नै करैत छैथ ! या करैतो छैथ त कम - सम, पति - पत्नी के रिश्ता भोजन के लिया, कपड़ा धोई लिया बस अहि ठाम तक सीमित अछि ? आई स्थिति म रिश्ता म दुरी बढ़ने स्वाभाविक अछि ! किनको मुह स सुनलो की " हमर इये प्रयाश रहे य की जै घर म बाबूजी बैसल रहैत छैथ ओई घर म हम नै बैसी" याद राखु की इ स्थिति बुजुर्ग लोकैंन क परेशां करे य ! अहिलेल वृद्धावस्था मए हर बुजुर्ग क़ शिकायत रहै छैन की बच्चा माँ - बाबूजी के पास नै बैसैत छैथ !


याद राखी की संवादहीनता क वैचारिक मतभेद बढ़ई य जे अंत मए भावनात्मक दुरी म बदैल जैत अछि ! माँ - बाबूजी आर बच्चा के बिच यदि आरंभ स संवादहीनता के स्थिति पैदा नै हुवे त अंत तक वैचारिक आदान - प्रदान कायम रहत ! साथे नया पीढ़ी म पनैप रहल अवसाद, तनाव जेहेंन परेशानी के हल सेहो मिल जेत !!

2 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. बहुत नीक ममताजी,

    मैथिलीमे मात्र गद्य-पद्य, कथा आ' उपन्यास लिखल जा' रहल अछि। आवश्यकता छल एहि तरहक लेख-निबन्धक,जे सामाजिक, मनोवैज्ञानिक आ' विज्ञान विषयपर लिखल जाए।

    গজেন্দ্র ঠাকুব

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने