बजट २००८ - २००९ (व्यापार)

आई दिनांक २९/०२/२००८ कs वित्तमंत्री पी.चिदंबरम २००८ / २००९ के बजट पेश केलैठ ! देखल जाई त बजट के मुख्य केन्द्र बिंदु रहा किसान आर अल्पसंख्यक वोट बैंक ! आगामी लोकसभा चुनाव कs ध्यान म राखेत कर्ज के दलदल मए डुबल किसान लोकेन के लेल ६० हजार कड़ोर रुपैया कर्ज माफ करे के घोषणा केलेथ वित्तमंत्री पी.चिदंबरम ! वेतन भोगी लोकेन कs आयकर म बहुत राहत मिललेंन दलित, पिछरल, आर अल्पसंख्यक के कल्याण के वास्ते योजना के लेल खजाना खोइल देल गेल अछि ! वित्तमंत्री पी.चिदंबरम संप्रग सरकार के बजट म चैर कड़ोर किसान के कर्ज माफ करे के ऋण राहत आर माफी योजना के घोषणा केलेथ ! कर्मचारी आर मध्य वर्ग कs खुश राखै के लेल डेढ़ लाख रुपैया सालाना के व्यक्तिगत आय कs कर सs पूर्ण रूप स मुक्त के देलखिन ! महिला क आब १.८० लाख आर बुजुर्ग क २.२५ लाख तक कुनू कर नै दिया परतेंन ! सही मायने म देखल जाए त इ बजट मए गरीब आर मध्य वर्ग लोकेन के लेल बहुत किछ करै के प्रयाश केलैथ वित्तमंत्री पी.चिदंबरम !


नीचा बजट के मुख्य अंश प्रस्तुत अछि !!

~* आयकर*~
* आयकर सीमा १ लाख ५० हजार भेल
* महिला के लेल आयकर सीमा १ लाख ८० हजार भेल
* बुजुर्ग के लेल आयकर सीमा २ लाख २५ हजार भेल
* ५ लाख स ऊपर ३० फीसदी टैक्स
* १.५ स ३ लाख तक १० फीसदी टैक्स
* ३ स ५ तक २० फीसदी टैक्स
* माँ - बाबूजी के इलाज पर १५००० के खर्च म ८० - डी के तहत छुट
* बैंक स पैसा निकाले पार टैक्स खत्म

~*सस्ता हेत*~

* जीवन रक्षक दवाई

* सेट टॉप बॉक्स

* डेयरी उत्पाद

* दोपहिया , तिपहिया वाहन

* बस आर कार

~*महग हेत*~

* सिगरेट, तम्बाकू , सॉफ्टवेयर


~*अन्य मुख्य बजट बिंदु*~

* रक्षा बजट १० फीसदी बैढ़ क १ लाख ५६ हजार कड़ोर भेल

* ३०० आई आई टी के विकास हेतु ७५० कड़ोर

* दु गो नया साइंस सेंटर खुलत

* बिजली उत्पाद पर जोर, २८ हजार कड़ोर के निवेश

* इंदिरा आवास योजना म हर आदमी के लेल ३५ हजार

* सिंचाई के लेल २० हजार कड़ोर के योजना

* बागवानी विकाश के लेल ११०० कड़ोर के योजना

* कृषि बीमा योजना के लेल ६४४ कड़ोर के योजना

* विज्ञान के छात्र के लेल ८५ कड़ोर के योजना

* बाल विकाश योजना के लेल ६३०० कड़ोर

* सर्वशिक्षा अभियान हेतु १३१०० कड़ोर

* दुपहर भोजन के लेल ८ हजार कड़ोर

* पोलिया अभियान हेतु १०२२ कड़ोर

* तीन नया आई आई टी खुलत

* आंध्र प्रदेश, राजस्थान, आर अपन बिहार म आई आई टी खुलत

* भारत निर्माण के लेल ३१ हजार कड़ोर के योजना

* ४१० कस्तूरबा गाँधी कन्या स्कूल बनत

2 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. jeetu jee,
    ahanke lel ektaa salaah aichh . hamraa naeh bhujhal aichh je ahanke ee blog katek aggregators par aichh mudaa koshish karu ki adhik san adhik aggregators par log ekraa dekhay.

    जवाब देंहटाएं
  2. भैया प्रणाम !

    कहावत अछि "कोशिस करने वालो की कभी हर नहीं होती" बस अहि आधार पर हमरा सब का मैथिली भाषा क बढावा दै के प्रयाश जरी रख्बाक चाही आई नै कैल मैथिली का मान्यता मिलबे करत ओना देखल जाई त ब्लोग कs पसंद करे बला के तादाद दिनों दिन बढ़ल जैत अछि ! आगा अपन प्रयाश जरी राखु

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने