बिहारक मेडिकल व इंजीनियरिंग केर छात्र सबके नौकरी में भेटत 50 फीसदी आरक्षण।




पटना: उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहलैथ कि बिहारक मेडिकल व इंजीनियरिंग कॉलेज से उत्तीर्ण भेल छात्रक बहाली में 50 प्रतिशत आरक्षण दैल जैत। जहिया धैर नियमित बहाली नञि भ जाइत अछि, ताबे तक संविदा अफसर व कर्मचारी केँ सेवा बहाल रहत और नियमित बहाली में हिनका प्राथमिकता दैल जैत।

काइल डॉ. विश्वेश्वरैया केर 75वीं जयंती पर अभियंता भवन में आयोजित समारोह में सुसील मोदी  कहलैन जे  राज्य में डॉक्टर व इंजीनियर केँ बहुत कमी अछि। बिहार लोक सेवा आयोग पर नियुक्ति केर काफी दबाव छल। एहिके लेल राज्य तकनीकी आयोगक गठन कैल गेल हन, ताकि डॉक्टर व इंजीनियर सभहक शीघ्र बहाली भ सकैए। बिना लिखित परीक्षा व साक्षात्कार केर ही डॉक्टर व इंजीनियरक बहाली होयत। कहलैथ कि पथ निर्माण विभाग, जल संसाधन, लघु जल संसाधन व ग्रामीण कार्य विभाग में इंजीनियर केर करीब सात हजार पद खाली अछि। तामिलनाडु, महाराष्ट्र, आंध्रप्रदेश केर तुलना में बिहार में बहुत कम इंजीनियरिंग कॉलेज अछि।एहिके लेल राज्य सरकार सब जिला में एगो मेडिकल कॉलेज खोइल रहल अछि।
#50%आरक्षण #इंजीनियरिंग व मेडिकल छात्र #बिहार #मैथिली समाचार