दरभंगाः[प्रणव चौधरी] भारतक पूर्व प्रधानमंत्री स्व. अटल बिहारी वाजपेयक अस्थि कलशक गुरुदिनक दरभंगा टावर पहुंचैत ओहि जगह हुनक समर्थक सब हजारक संख्या मे जमा भ क अटल बिहारी अमर रहैथ केँ उद्घोषणा करैय लगला। अस्थि कलशयात्राक गाड़ी केर टावर पर पहुंचैत नगरवासी व भाजपा कार्यकर्ताक भीड़ अस्थि कलश केँ चारू तरप सँ घेरकर अटल जीक प्रति अपन हृदय में संरक्षित बात सबके व्यक्त करैय लगला। एही उद्घोषक गूंज सँ लागल जेना दरभंगा टावर गुंजायमान भ उठल।
ओतैए दरभंगा जिलाक आइटीसेल व सोशल मीडियाक संयोजक पंकज झाक द्वारा सेहो लेहरियासरायक हजमा चौरहा पर अटल बिहारी जीक अस्थी कलशयात्राक श्राद्धांजलि देबाक लेल विशेष व्यवस्था कैल गेल छल।मिथिला दैनिकक् टिम स बातचित करबाक दौरान पंकज झा कहलैथ,जे अटल जीक हृदय में मिथिलांचलक लेल असीम श्रद्धा व प्रेम छल। जेही केँ कारण अटल जी मैथिली केर अष्टम सूची में सम्मानपूर्वक स्थान दिएलैथ।सबस पैघ गप यी जे मिथिलांचलक खंडित भूभाग केर कोसी जैहैत महासेतु द क खंडित भेल संस्कृतिक के जोड़बाट काज केलैथ स्वर्गीय अटल बिहारी वाजपेयी मिथिला लेल जे केलैथ।ओहिके मिथिलांचलक लोग सदैव याद राखत।
भारतक रत्न, भारत केर जन-जन में बसैय वाला अटल जी केँ छवि सभ केर मन में हिलकोर मारैय लागल। सबहक सहानुभूति, सबकेर मन में उमड़ल भाव अस्थि सब एक नजैर स ओहि कलशक देख रहल छल। अस्थि कलश सवार वाहनक रुकैत विधानसभा में प्राक्कलन समिति केर सभापति व नगर विधायक संजय सरावगी टावर पर बनल पंडाल में अटल जीक तस्वीरक निकट भाजपा केर सभ अधिकारी केँ बजेलक। भाजपाक सभ वरिष्ठ नेताक पहुंचैय पर ओतैय अटल जीक तस्वीर पर पुष्पांजलि अर्पित कैल गेल। श्रद्धांजलि सभाक आरंभ में नगर विधायक संजय सरावगी कहलैथ कि भारत रत्न अटल जी मिथिलांचल केर जे सौगात देलैथ ओहिके मिथिला वासी सदैव याद राखत।गांव गांव में, शहर में हर जगह जन-जन केर बीच श्रद्धांजलि केर शब्द उमड़ैय छल। एहिके उपरांत नगर विधायक केँ निवेदन पर भाजपाक प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय अटल जीक श्रद्धांजलि में अपनन बयान रखलैथ। प्रदेश अध्यक्ष कहलैथ कि अटल जीक हृदय में मिथिलांचलक लेल असीम श्रद्धा व प्रेम छल। जेही केँ कारण अटल जी मैथिली केर अष्टम सूची में सम्मानपूर्वक स्थान दिएलैथ।सबस पैघ गप यी जे मिथिलांचलक खंडित भूभाग केर कोसी जैहैत महासेतु द क खंडित भेल संस्कृतिक के जोड़बाट काज केलैथ।अटल जीक अस्थि कलश केँ कोशी में प्रवाहित कैल गेल।