खगड़िया : लोकप्रिय गायक सुनील छैला बिहारी केँ भाई अनिल सिंह केँ अपहरण

खगड़िया। 13 जनवरी। जिला मे अपराधी सभ लगातार बेखौफ भेल जे रहल अछि आओर ऐहिक शिकार आम लोगक संगे संग खास लोग सेहो भ' रहल अछि। ताजा मामला लोकप्रिय गायक सुनील छैला बिहारी केँ भाई अनिल सिंह केँ अपहरण केँ अछि।

प्राप्त खबैर केर मुताबिक छैला बिहारी केँ बड़का भाई अनिल सिंह केँ किछु गोटा सुचना देलक कि विनोद यादव समेत कैको अपराधी हुंकार खेत पर कब्जा करबाक कोशिश क' रहल अछि। अनिल अप्पन भाई आओर बेटाक संग खेत पहुंचला, जाहिक बाद अपराधी सभ हुनका सँ खेत छोड़बाक बदला दू लाख मांगलक।

जाहिकेँ अनिल सिंहविरोध केलक तेँ अपराधी हुनकर अपहरण क' लेलक। कुनू तरहे अनिलक बेटा गुड्डू आओर हुनकर भाई ओता सँ भगवा मे सफल रहला, जाहिक बाद पौरा थाना क' ऐहिक सूचना देल गेल आओर पुलिस जांच मे जुटी गेल। 

परिजन सभकेँ आशंका अछि कि अपराधी सभ अनिल संग किछु भी क' सकैछ। आब देखबाक अछि कि पुलिस अपराधी सभकेँ पकड़बा मे कखन  सफल होयत अछि। मुदा सवाल ई उठैत अछि कि अपराधी सभ जाहि तरहे वारदात सभकेँ अंजाम द' रहल अछि ऐना मे सुशासन राज मे सेहो खास लोग सभकेँ सचेत रहबाक जरुरत अछि।