नीतीश कुमारक काफिला पर भेल हमलाक जांच लेल टीमक गठन भेल

पटना। 13 जनवरी।  बक्सर जिला मे समीक्षा यात्राक दौरान मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक काफिला पर कायल गेल हमलाक जांच लेल एक टीमक गठन कायल गेल अछि। अपने क' बता दी कि कैल्हि बक्सर जिलाक नंदर इलाका मे किछु गोटा मुख्यमंत्री केँ काफिला पर पत्थर फेंकने छल। हमरा मे नीतीश क' बचा लेल गेल मुदा हुनकर सुरक्षा मे लागल किछु कर्मी घायल भ' गेल छल।


मुख्यमंत्री केँ दौरा सँ पहिने हुनकर समीक्षा आओर विकास यात्राक लेल बड्ड कड़ा सुरक्षाक इंतजाम कायल गेलाक दावा कायल गेल छल। ऐना मे एहि तरहक हमला सँ प्रशासनक लापरवाही पर बड़का सवाल उठैत अछि।