विनय यादव मूल रूप सँ मधुबनी जिलाक बाबूबरही प्रखंड के बेला दौड़ा गामक रहिवासी छथि आओर श्री सरोज कुमार यादव केँ पुत्र छथिन। विनय क' अप्पन गामक सुपरस्टार मैथिली गायक श्री शुभचन्द्र झा जी सँ ग़ायबाक प्रेरणा भेटलनि, विनय जखन 4 बरखक छलैथ तखने सँ ओ गीत संगीत मे अभिरुचि लेब शुरू क' देना छला। विनय एखन 11 बरखक छैथ आओर ओ क्लासिकल संगीत सिख रहल छथि आओर अप्पन पिता केर प्रेरणा आओर प्रोत्साहन सँ अप्पन मुकाम संगीत केर क्षेत्र मे बना रहल छथि।
विनय क' बिहार के अलावा लुधियाना, पंजाब डिस्ट्रिक्ट लेवल प्रोग्राम मे स्थानीय मैदान में भेल कार्यक्रम म' मंच पर गएबाक पहिल मौक़ा भेटलन्हि, जाहि मे ओ मैथिली गीत "पापा मम्मी के बिना जिंदगी अधूरा" गीत सँ सभक दिल जीत लेलनि। विनय के पहिल एल्बम "पापा मम्मी के बिना जिंदगी अधूरा" आओर "जा तारु त जा ए जान" एहि बरख आयल अछि आओर जल्दे हुनक कैको एल्बम आबैय बला अछि। हुनकर "पापा मम्मी के बिना जिंदगी अधूरा" गीत यूट्यूब पर बहुत लोक प्रिय भेल।
विनय यादव देशक गौरव श्री उदित नारायण झा जी आओर क्लासिकल मे कुञ्ज बिहारी मिश्रा जी क' अप्पन अडियल मानैत छथि। आजुक समय मे विनय केर लोकप्रियता देशक कोन- कोन मे पसैर रहल अछि, संगहि विनय सभ लोकप्रिय गायक - गायिका केँ बिच अप्पन अलग पहचान बना रहल छथि। विनय अपन माता -पिता के संग लुधियाना मे रहैत छथि, हुनकर पिता (मिस्ठान भंडार) चला रहल छथिन।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।