देशक सौ प्रभावशाली लोग मे शामिल भेला मिथिलाक लाल आईपीएस संजय कुमार

सहरसा। 15 दिसम्बर। सहरसा जिलाक सरडीहा गाम निवासी संजय कुमार क' देशक सौ प्रभावशाली लोग मे शामिल कायल गेल अछि। संजय कुमार क' हालही मे 'फेम इंडिया' केँ सर्वे मे ई उपलब्धि प्राप्त भेल अछि।  संजय कुमार 1985 बैच के आईपीएस अधिकारी छथि आओर फिलहाल ओ राष्ट्रीय आपदा राहत बल के महानिदेशक केर तौर पर तैनात छथि।

अपने क' बता दी कि संजय कुमार क' फेम इंडिया केँ सर्वे मे देशक सौ प्रभावशाली लोग मे पांचम स्थान पर राखल गेल अछि। एहि सूची केँ प्रभावशाली बिहारी मे ओ पहिल स्थान पर छथि। अप्पन काजक दौरान अलग पहिचान बनबै बला संजय कुमार क' एहि बरख जुलाई मे राष्ट्रीय आपदा राहत बल केर महानिदेशक के पद पर तैनात कायल गेल अछि। एहिसँ पहिने ओ हिमाचल प्रदेश मे पुलिस महानिदेशक केर पद पर तैनात छला। हिमाचल प्रदेश मे अप्पन तीन सालक कार्यकाल मे संजय कुमार राज्य केँ सभ पुलिस थाना क' डिजिटलाइजेशन करबाक काज केलनि।  सीसीटीएनएस आओर पासपोर्ट रिपोर्ट ऑनलाइन भेजबाक सेहो व्यवस्था करौलनि। 

संजय कुमार हिमाचल प्रदेश आओर भारत सरकार मे विभिन्न पद पर रहैत कैको पेचीदा मामला सभक जांचक संगे - संग कानून व्यवस्था, खुफिया, सतर्कता आओर आंतरिक सुरक्षा जेहन मुद्दा पर काज केलनि। लाहौल स्पीति जिला मे पुलिस अधीक्षक केर तौर पर हुनकर बेहतरीन सेवा के लेल हुनका विशेष पुलिस मेडल सँ सेहो सम्मानित कायल गेल। संजय कुमार पुलिस अधीक्षक केर तौर पर हिमाचल प्रदेश केँ विभिन्न जिला मे शांति आओर सद्भाव बनेना रखबाक लेल कैको नवा प्रयोग केलनि जाहिक मिसाल आइयो देल जायत अछि।

संजय कुमार पटना मे भारतीय रेल के मुख्य सुरक्षा आयुक्त के तौर पर सेहो अप्पन सेवा देलनि। ऐहिक अलावा ओ रेलवे मे मुख्य सतर्कता अधिकारी सेहो रही चुकल छथि। संजय कुमार केँ कठोर मेहनत, ईमानदारी, कर्तव्यनिष्ठा आओर काजक प्रति हुनकर लगन देखैत बरख 2002 मे हुनका सराहनीय सेवाक लेल पुलिस मेडल आओर 2011 मे प्रतिष्ठित सेवाक लेल राष्ट्रपति पुलिस पदक सँ सम्मानित कायल गेलनि। कुमार केर प्रतिभा क' देखैत हुनका अमेरिका केँ खुफिया एजेंसी एफबीआई केँ ‘मेजर केस मैनेजमेंट’ लेल चुनल गेलनि। 

हालही मे ओ इंडोनेशिया के बाली मे ‘इनसार्ग टीम लीडर्स’ केर बैठक मे सेहो शामिल भेल छला। अगिला बरख दिसंबर मे हुनकर सेवा कार्यकाल पूरा भ' रहल अछि। अप्पन राष्ट्रीय छवि, कार्यक्षेत्र मे सफलता, सामाजिक सरोकार, राज्य सँ जुड़ाव आओर देश मे बड़का प्रभाव बना ओ मिथिलाक मान देश दुनिया मे बढ़ौलनि, एहि पांच मानदंड़ पर एशिया पोस्ट व फेम इंडिया मैगजीन द्वारा सर्वे कायल गेल छल, जाहिमे देशक 100 प्रभावशाली व्यक्तिय मे कुमार क' पहिल स्थान भेटल अछि।