दरभंगा : बेखौफ अपराधी सभ होमगार्ड जवान क' मारलनि गोली, इलाजक दौरान भेल मौत

दरभंगा। 15 दिसम्बर।[प्रणव कुमार चौधरी] जिला केँ केवटी थाना अंतर्गत मझिगावां हटिया गाम लग अज्ञात हमलावार सभ एक होमगार्ड जवान केँ गोली मारी हत्या क' देलनि। जवान गोली लगला सँ घायल भ' गेल छला, जिनका नजदीक के अस्पताल मे भर्ती कराओल गेलनि, मुदा इलाजक दौरान होमगार्ड केर मौत भ' गेलनि।

प्राप्त जानकारी केर मुताविक कैलाश ड्यूटी के बाद केवटी थाना अंतर्गत कयामचक गाम स्थित अप्पन घर साइकिल सँ जायत छला, एहि दरमियान दू मोटरसाइकिल पर सवार तीन हमलावर सभ हुनका पर गोलीबारी क' देलनि। गोली लगलाक बाद घायल जवान क' इलाजक लेल एक निजी अस्पताल ल' जायल गेल जता चिकित्सक सभ हुनका मृत घोषित क' देलनि। पुलिस अधीक्षक दिलनवाज अहमद कहलनि कि मृतक होमगार्ड जवान केँ नाम कैलाश यादव अछि जे लालबाग स्थित प्रधान डाकघर मे प्रतिनियुक्त छलाह।

स्थानीय लोग सभक मुताबिक, दरभंगा के प्रधान डाकघर सँ होमगार्ड के जवान भरत यादव आओर कयामचक गाम निवासी कैलाश यादव ड्यूटी करि साइकिल सँ घर जायत छला। साइकिल भरत यादव चलबैत रहथिन,  साइकिल केँ पाछा मे कैलाश यादव बैसल छलाह। एहि बीच मझिगाम हाट लग मोटरसाइकिल पर सवार तीन अपराधी हुनका आगू सँ घेरैत गोली माएर देलनि। फिलहाल पुलिस एहि मामला केँ जांच क' रहल अछि।