नीक डेग : मधेपुरा मे श्राद्ध कर्म केँ भोजक प्रथा खत्म करबाक भेल पहल

मधेपुरा। 15 दिसम्बर। बिहार सरकार जता सामाजिक उत्थानक लेल एक सँ बाढ़िकेँ एक योजना जमीन पर उतारी रहल अछि। ओतहि मधेपुरा मे सामाजिक कार्यकर्ता हरिश्चंद्र मंडल केर नेतृत्व मे श्राद्ध कर्म केँ भोजक प्रथा खत्म करबाक नवा पहल केर शुरुआत भ' चुकल अछि।

अपने क' बता दी कि आब श्राद्ध कर्म केर अवसर पर आयोजित होमै बला भोज केर प्रथा क' खत्म करी फिजूल खर्ची पर रोक लगाओल जायत। ऐहिक निर्णय सामाजिक स्तर पर विचार विमर्श के बाद ग्रामीण सभ सामूहिक रूप सँ लेब शुरू क' देना अछि। एहि परंपरा केर शुरुआत मधेपुरा प्रखंडक बुधाम पंचायत के भदौल गाम सँ रामचन्द्र राय नामक व्यक्ति क' देना छथि। 

प्राप्त जानकारी केर मुताबिक रामचन्द्र राय केँ मैं केर निधन भेलाक बाद  रामचन्द्र भोजक लेल एक लाख टाका कर्ज लेल महाजन लग चक्कर लगबैत छला ओहि क्रम मे सामाजिक कार्यकर्ता हरिश्चंद्र मंडल सँ रामचंद्र केर  मुलाकात भेलनि। सभ समस्या सँ अवगत भेलाक बाद हरिश्चंद्र ओहि समय एहि प्रथा क' समाप्त करबाक मुहिम केर शुरुआत रामचंद्र राय केर घर सँ केलनि। 

ओतहि, ऐहिक बाद गाम मे बैठक भेल आओर श्राद्धक भोज क' खत्म करबाक सामूहिक निर्णय लेल गेल। अपने क' बता दी कि श्राद्ध कर्म केँ भोजक आयोजन मे खास करीकें समाज के 99 प्रतिशत साधारण तबका केँ लोग सभकेँ महाजन सँ मोट रकम ब्याज पर कर्ज लेबा पड़ैत अछि। एहि प्रथा क' ख़त्म करबाक शुरुआत के मधेपुरा जिला मे चारो दिस प्रशंसा भ' रहल अछि। 

और नया पुराने