+2 बालिका उच्च विद्यालय मे शौचालय नहि होयब सरकार आओर शिक्षा विभागक कार्यप्रणाली पर सवाल ठाढ़ क' रहल अछि। स्कूल प्रशासन सँ ल'के ग्रामीण सभ सेहो स्कूल मे शौचालय निर्माणक लेल कैको बेर प्रयास जरूर केलक, मुदा सफलता हाथ नहि लागल।
प्रधनमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा स्वच्छता अभियान केर तहत नॉमिनेट कायल गेल स्वामी राम भद्राचार्य जाहि दिन डरहार गाम सँ स्वच्छता अभियान केर शुरुआत केलनि तेँ ओहि दिन मानव संसाधन विकास राज्य मंत्री उपेंद्र कुशवाहा सेहो गाम मे बारहैन लगेना रहथिन। स्कूल मे शौचालय नहि होयबाक कारण भ' रहल दिक्कत सँ हुनको अवगत कराओल गेल छल। ओहि दिन मंत्री जी कहने रहथिन कि यदि भीख मांगे पड़त तेँ भीख मांगब, मुदा स्कूल मे शौचालय जरूर बनबायब। तीन बरख बितलाक बादो परिस्थिति मे कोनो बदलाव नहि भेल अछि।
अपने क' बता दी कि प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी उत्तर प्रदेश मे स्वच्छता अभियानक तहत नौ गोटाकेँ नॉमिनेट केना रहथिन। जाहिमें स्वामी राम भद्राचार्य सेहो शामिल छलथि। एहि क्रम मे दरभंगाक डरहार गाम मे 15 नवंबर 2014 क' ओ स्वच्छता अभियान केर शुरुआत केलनि। एहि कार्यक्रमक दौरान मंत्री उपेंद्र कुशवाहा सेहो मौजूद छला। कार्यक्रमक दौरान पत्रकार सभ स्वामी भद्राचार्य क' गामक संगे - संग स्कूल मे शौचालय नहि होयबाक बात कहल गेल छल, जाहि पर ओ मंत्री केर उपस्थिति मे वादा केना रहथिन कि यदि हमरा शौचालय बनेबाक लेल भीख सेहो मांगे पड़त तेँ मांगब। ओहि समय मंत्री जी जल्दे विधालय मे शौचालय बनेबाक बात कहने रहथिन, मुदा तीन बरख बितलाक बादो शौचालय नहि बनल अछि आओर नहिये सुरक्षाक लेल देबाल ठाढ़ भेल।