दरभंगा : स्कूलक पाछू सँ बोरा मे नुका क' राखल गेल शराब पुलिस केलक बरामद

दरभंगा। 28 दिसम्बर।[प्रणव कुमार चौधरी] अशोक पेपर मील थानाक पुलिस कैल्हि बुध दिन मध्य विद्यालय आनन्दपुरक पाछू मे नुका क' राखल गेल विदेशी शराब बरामद केलक। थानाध्यक्ष दिलीप पाठक कहलनि कि कैल्हि भोर जखन बच्चा सभ खेलबाक लेल विद्यालय केँ पाछू गेल तँ बच्चा सभ एक बोरा मे शराबक बोतल देखलक। 

बच्चा सभ तुरंत ऐहीक सूचना अप्पन विद्यालय केँ शिक्षक सभकेँ देलक। शिक्षक सभ तुरंत ऐहिक जानकारी पुलिस क' देलनि। जाहिक बाद पुलिस उक्त जगह पर पहुंच ओता सँ रॉयल स्टेजक 750 एमएल के 18 बोतल सँ भरल बोरा जब्त केलक। एहि संबंध मे स्थानीय थाना आशोक पेपङ मील मे उत्पाद अधिनियम केर तहत अज्ञात लोग सभक विरुद्ध कांड संख्या 138/17 दर्ज कायल गेल अछि।