सहरसा : मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर आगमनक तैयारी मे जुटल जिला प्रशासन
सहरसा। 11 दिसम्बर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ जनवरी मे प्रस्तावित यात्रा ल'के प्रशासनिक गतिविधि तेज भ' गेल अछि। समाहरणालय केर सभागार मे लगातार बैठक पर बैठक आयोजित भ' रहल अछि। बैठक केर अध्यक्षता करैत डीएम विनोद सिंह गुंजियाल सभ विभागक अधिकारी सभकेँ अप्पन - अप्पन कार्यालय सभक सफाई व्यवस्था दुरुस्त करबाक आओर व्यवस्थित करबाक निर्देश देलनि।
डीएम गुंजियाल सभ विभागक अधिकारी सभकेँ लंबित योजना सभकेँ पूरा करबाक निर्देश देलनि। संगहि शराब कारोबारी सभ पर नकेल कसब, ओडीएफ अभियान, स्वच्छता अभियान, सात निश्चय योजना केर क्रियान्वयन मे तेजी सँ काज करबाक निर्देश सेहो देलनि। डीएम विनोद सिंह गुंजियाल बाढ़ि प्रभावित लोग सभकेँ भेटै बला सहायता राशि, किसान सभकेँ भेटै बला फसल क्षतिपूर्ति, डीजल अनुदान क' सेहो ठीक करबाक निर्देश देलनि।