आब दहेज लेब पड़त महग, नीतीश सरकार ऐहिक प्रति सख्त

पटना। 17 नवम्बर। नीतीश सरकार द्वारा प्रदेश मे दहेज प्रथा रोकबाक मुहिम चलाओल जे रहल अछि। जाहिक लेल सरकार हर ओ पैंतरा आजमा रहल अछि जाहिसँ दहेज प्रथा पर रोक लगाओल जे सके। नीतीश सरकार आब दहेज लेबै बला सभक खिलाफ एक नवा तरीका अख्तियार केना अछि। 

प्राप्त खबैर केर मुताबिक दहेज प्रथा केर खिलाफ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर मुहिम क' साकार करबाक लेल जिलाधिकारी द्वारा पटना के सभ बिआहक कार्ड बेचै बला, बैंड बाजा बला सँ ल'के पंडित धरी केँ निर्देश देल गेल अछि कि बिना शपथ पत्र लेना बिआह करेबाक लेल नहि होयथ।प्रशासन द्वारा सख्त निर्देश दैत कहल गेल अछि कि अगर केओ एहेन करत तेँ हुनका खिलाफ कार्रवाई कायल जायत। 

ओनाकि एहि फैसला के बादसँ बैंड बला सभ बहुत नाराज छथि। एक बैंड बला कहलनि कि जखन से एहि फैसला केर घोषणा कायल गेल अछि तखन से बैंड केर बुकिंग कम भ' गेल अछि। संगहि ओ इयो कहलनि कि एखन धरी एहेन कोनो बुकिंग नहि भेल अछि जाहिमे शपथपत्र देल गेल अछि। बिआहक कार्ड बेचै बला व्यवसायी सभ सेहो एहि तरहक फैसला सँ बहुत परेशान अछि। ओनाकि दोकानदार सभक मुताबिक एखन धरी  जिलाधिकारी दिससँ हुनका सभके कोनो दिशा-निर्देश नहि भेटल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने