समिति केँ अध्यक्ष प्रेमचंद्र झा, उपाध्यक्ष जय माधव झा, संयोजक पंकज झा एवं तमाम कार्यकर्ता सभक अथक प्रयास सँ आय मैथिल वृन्द एहि प्रकारक सुविधा के लाभ ल' रहल छथि। देशक सभ भाग सँ मैथिल वर वधू केर परिचय (बायोडेटा) संकलन कायल जे रहल अछि। जाहिकलेल देश भरी म' पसरल समाजसेवी संगठन सभक सहयोग समिति क' भेट रहल अछि। पछिला बरखक भांति एहि बरख "वर वधू परिचय सम्मेलन" आगामी 5 नवम्बर क' नई दिल्ली स्थित ऑडिटोरियम म' होमे जे रहल अछि। जाहिमे मिथिला समेत देश भरिक मैथिलक समागम होयत।
"मैथिल समन्वय समिति" एहि सम्मेलन म' मिथिला क्षेत्र के सभ लोकनिक सहभागिताक विनम्र अपेक्षा राखैत उपस्थिति हेतु सादर आमंत्रित करैत छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।