मधुबनी। 06 अक्टूबर। मिथिला विकास समिति 'नवकरही' द्वारा 24 अक्टूबर क' मध्य विद्यालय, नवकरही (प्रखंड-बेनीपट्टी) केर प्रांगण म' मिथिलाक प्रेरणास्रोत, मिथिला विभूति सभके श्रधांजलि देबाक रूप म' मिथिला महापर्व 'मिथिला विभूति पर्व समारोह' केर आयोजन कायल जायत। जाहिमे राजनीतिक, प्रशासनिक, समाजिक,सांस्कृतिक आओर पत्रकारिता केर माध्यम सँ मिथिलांचल केर गौरव बढ़बै बला मैथिल सपूत सभक सम्मान समारोह केर आयोजन के संगे - संग भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन सेहो कायल जायत।मिथिला विभूति पर्व समारोह म' मिथिलांचल के सुप्रसिध्द गायक - गायिका द्वारा कार्यक्रम प्रस्तुत कायल जायत।
मिथिला विकास समिति 'नवकरही' के संस्थापक सह अध्यक्ष महेंद्र झा, सचिव सुजीत झा, समारोह अध्यक्ष पुष्पम झा, कोषाध्यक्ष तेजनारायण झा, पंकज झा, गगन झा आओर विपिन झा "मिथिला दैनिक" केर माध्यम सँ समस्त मिथिलांचल वासी क' समारोह म' अएबाक लेल हकार दैत छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।