हेलिकॉप्टर क्रैश म' शहीद भेल जवान सभक शव क' पॉलिबैग म' रखबाक छवि आमना आयल

नई दिल्ली। 09 अक्टूबर। अरुणाचल प्रदेश के तवांग म' भेल हेलिकॉप्टर क्रैश म' शहीद भेल जवान सभक शव क' पॉलिबैग आओर पेपर बॉक्स म' रखबाक छवि सामना अएलाक पर विवाद शुरू भ' गेल अछि। ऐहिके ल'क' सोशल मीडिया पर लोग सभक बीच बहुत तामस देखल गेल। विवाद बढ़लाक बाद सेना ऐहिके असामान्य मानैत कहलक कि भविष्य म' शव सभके उचित तरीका सँ पहुँचायब सुनिश्चित कायल जायत। 

इ फोटो गुवाहाटी हॉस्पिटल के बतायल जा रहल अछि, जाहिठाम   पोस्टमार्टम के बाद सैन्य सम्मान दs पार्थिव शरीर के विदा कैल गेल। सेना के तरफ सs कहल गेल जे स्थानीय संसाधन के उपयोग एक भूल भेल ,  सेना के जारी बयान में कहल गेल कि शहीद सैनिक के हमेसा सs सम्मान देल जाइत अछि , अधिक उच्चाई क्षेत्र में सिमित साधन के कारन हैलीकॉप्टर ज्यादे भर नै ल जा सकैत अछि। 

अपने क' बता दी पछिला शुक्र दिन अरुणाचल प्रदेश म' वायुसेना के एमआई 17 वी5 हेलिकॉप्टर हादसा केर शिकार भ' गेल छल, जाहिमे 7 सैनिक शहीद भ' गेल छल। सेना के एक पूर्व लेफ्टिनेंट जनरल कैल्हि रवि दिन एक छवि ट्वीट केलनि, जाहिमे सहीद सभक शव क' पॉलिबैग म' लपेटीके पेपर बॉक्स म' राखल देखाओल गेल छल। पूर्व लेफ्टिनेंट जनरल कहलनि कि उचित ताबूत भेटबा धरी सीमावर्ती चौकि सभ पर सैनिक सभक शव क' रखबाक लेल बॉडीबैग केर उपयोग कायल जायत अछि। सेना म' कैनवस के बनल बॉडीबैग अथॉराइज नहि अछि, एहिलेल मेकशिफ्ट बॉडीबैग उपयोग कायल जायत अछि।

प्राप्त जानकारी केर मुताविक ई मामला रक्षा मंत्री निर्मला सीतारमण तक पहुंचल। रक्षा मंत्री एहि मामला म' दखल देलनि। ऐहिक बाद सेना द्वारा ट्वीट करि कहल गेल कि शव सभके स्थानीय संसाधन म' राखीके भेजब असामान्य छल। शहीद सभके सदिखन पूरा सम्मान देल गेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ