समस्तीपुर : व्यवसायी पंकज कुमार साह केर हत्या करबाक मामला म' पांच गिरफ्तार

समस्तीपुर। 09 अक्टूबर। किराना व्यवसायी पंकज कुमार साह केर हत्या मामला म' पुलिस एहि कांड म' शामिल सभ पांच आरोपी क' गिरफ्तार कर' लेलनि अछि। पुलिस आरोपी सभ लग सँ तीन देसी पिस्टल, पांच कारतूस, हत्या केर वारदात म' शामिल सफेद रंगक स्विफ्ट डिजायर कार आओर 11 मोबाइल बरामद केलनि अछि।

समस्तीपुर एसपी दीपक रंजन कहलनि कि बंगरा थाना क्षेत्र के कोठिया म' शुक्र दिन देर राति एहि सभ अपराधी द्वारा किराना व्यवसायी पंकज कुमार साह केर ओता लूटपाट के योजना बनाओल गेल। पहिने अपराधी सभ व्यवसायी स' सिगरेट मांगलनि, ओहिक बाद लूटपाट करे लागलनि। लूटपाट के विरोध केला पर अपराधी सभ व्यवसायी केर गोली मारी हत्या क' देलनि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ