पूरा होयत "विशेष राज्य" के मांग?, प्रधानमंत्री मोदी के बिहार दौरा स' लगाओल जे रहल अछि आस

पटना। 06 अक्टूबर। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी एक बेर फेर बिहार आबै बला छथि। प्रधानमंत्री के बिहार दौरा ल' क' सियासत सेहो शुरु भ' गेल अछि। जता सत्ताधारी दल के नेता सभके पूरा उम्मीद अछि कि प्रधानमंत्री बिहार के लेल किछु घोषणा क' सकैत छथि, ओतहि राजद नेता सभक कहब अछि कि प्रधानमंत्री स' बिहार क' किछु नहि भेटै बला अछि। 

प्रधानमंत्री पटना यूनिवर्सिटी के शताब्दी समारोह म' भाग लेबा आएब रहल छथि, ऐहिक लेल विश्वविद्यालय सँ जुड़ल प्रोफेसर सभके सेहो उम्मीद अछि कि एहि बेर पटना विश्वविद्यालय क' जरुर केंद्रीय विश्वविद्यालय केर  दर्जा भेटत जे कैको बरख स' लंबित अछि। प्रधानमंत्री पटना यूनिवर्सिटी के शताब्दी समारोह म' भाग लेबाक लेल 14 अक्टूबर क' पटना आएब रहल छथि। प्रधानमंत्री केर आगमन ल' क' तैयारी जोर-शोर स' चैल रहल अछि।   ओतहि हुनकर बिहार दौरा ल' क' सियासत सेहो शुरू भ' गेल अछि। नीतीश कुमार के एनडीए म' शामिल भेलाक बाद प्रधानमंत्री मोदी दोसर बेर बिहार दौरा पर आएब रहल छथि।

कहिया भेटत विशेष पैकेज सँ ल' क' बिहार क' विशेष राज्यक दर्जा देबाक मांग पर नीतीश कुमार जखन एनडीए म' नहि छला तखन केंद्र पर लगातार हमला करैत छला, मुदा अब नीतीश कुमार सेहो एनडीए म' छथि। जदयू नेता सभक मानी त' प्रधानमंत्री केर दौरा स' पूरी उम्मीद अछि। सरकार सुसंगत तरिका स' अप्पन मांग सेहो राखत।

अपने क' बता दी कि पटना विश्विद्यालय देशक सभसँ पुरान विश्वविद्यालय म' एक अछि मुदा कैको बरख सँ मांग करबाक बादो आय धरी केंद्रीय विश्वविद्यालय केर दर्जा नहि भेटल अछि। बिहार म' रेलवे के कैको योजना लंबित अछि संगहि पावर प्रोजेक्ट केर योजना सेहो अछि। ऐहिक अलावा  विशेष राज्य केर दर्जा देबाक मांग त' कैको बरख स' भ' रहल अछि। नीतीश कुमार कैको बरख स' ऐहिके केंद्र सरकारक समक्ष उठा रहल छथि।

एतबे नहि विशेष पैकेज के राशि सेहो एखन धरी अटकल अछि आओर एखन बाढ़ि स' भेल नुकसान के लेल बिहार सरकार जे राशि मांगने छल ओहियो पर फैसला लेबाक अछि। ऐना म' विपक्ष के संग सत्ताधारी दल केर नजैर सेहो एहि दौरा पर टीकल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने