प्राप्त खबैर केर मुताबिक दरभंगा के विरौल थाना के एएसआई सतीश कुमार क' कैल्हि राति डुमरी गाम म' भ' रहल विश्वकर्मा पूजा केर उपलक्ष म' आर्केस्ट्र प्रोग्राम क' सुचारू रूप सँ चलेबाक जिम्मेदारी देल गेल छल मुदा ई इंस्पेक्टर अप्पन जिम्मेदारी निभेबाक बजाय खुद शराब पी क' नशा म' अश्लील गीत पर महिला क' डांस करैत देख खुद क' नहि रोकी पेलाह आओर स्टेज पर चढ़ी डांस करे लागला।
बताओल जे रहल अछि कि जखन व्यवस्था म' लागल पूजा समिति के लोग सभ पुलिस बला क' रोकबाक प्रयास केलनि ते हुनको सभक संग पुलिस बला केर झड़प भेल। एहि बाबत दरभंगा के एसपी द्वारा नशा म' बार बाला संग झूमै बला एएसआई क' सस्पेंड क' देलनि। संगहि हुनका गिरफ्तार करि जेल भेज देलनि। दरभंगा एसपी सत्यवीर सिंह कहलनि कि विभागीय कार्रवाई के बाद हुनका सेवा स' बर्खास्त सेहो कायल जायत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।