हम शुरू सँ राजनीति म' परिवारवाद आओर वंशवाद केर खिलाफ छी : नीतीश कुमार

पटना। 19 सितम्बर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार परिवारवाद केर मुद्दा पर कांग्रेस आओर राष्ट्रीय जनता दल (आरजेडी) पर हमला केलनी। नीतीश कुमार कहलनि कि हम शुरू सँ राजनीति म' परिवारवाद आओर वंशवाद केर खिलाफ छी। आगा ओ कहलनि कि राजनीति म' वंशवाद केर शुरुआत कांग्रेस सँ भेल अछि।

बेनामी संपत्ति आओर भ्रष्टाचार के मामला म' घेराओल आरजेडी केर अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव पर निशाना साधैत नीतीश कुमार कहलनि कि 'पद धन अर्जन करबाक लेल नहि, बल्कि काज करबाक लेल भेटैत अच्छी।'

पटना म' लोक संवाद कार्यक्रम के बाद मीडिया स' बातचीत म' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि कि 'पद धन अर्जन करबाक लेल नहि, बल्कि काज करबाक लेल भेटैत अच्छी।' भ्रष्टाचार आओर गलत तरिका सँ एकट्ठा कायल गेल धन कुनु काज म' नहि आबैत अछि। जे गलत करता, ओ कहियो नहि कहियो पकड़ल जेता।

विधानसभा आओर लोकसभा चुनाव एक संग करेबाक विषय म' पूछल गेला पर मुख्यमंत्री कहलनि कि सैद्धांतिक रूप सँ लोकसभा आओर  विधानसभा चुनाव एक संग होयबाक चाही। आगा ओ कहलनि कि हमर व्यक्तिगत राय अछि कि लोकसभा आओर विधानसभा टा नहि, नगर निकाय आओर पंचायती राज संस्था सभक चुनाव सेहो एक संग होयबाक चाही। ऐना म' चुन गेल सरकार सभके जता काज करबाक लेल पूरा समय भेटत, ओतहि चुनाव खर्च म' सेहो कमी आयात। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ