![]() |
फाइल फोटो |
मधुबनी। 13 सितम्बर। फुलपरास थाना क्षेत्र के सुगापट्टी में चाइर दिन स निप्पता लड़की के शव भेटला के बाद ग्रामीण सभ निशब्द छैथ। स्थानीय निवासी सभ के अनुसार पुलिस समय रहैत तत्परता नै देखौलक। सभ के मुँह स एकै बात सुन के भेट रहल अछि आखिर 3 फ़ीट पाइन में 13 वर्षीय सरस्वती डूबी कोना गेल। लोक के कहब अछि जे जरूर हत्या करिक लाश के पैन में फेकल देल गेल। मृतक के पिता दिन के 10 बजे थानाध्यक्ष के फ़ोन पर घटना स अवगत करैला जाहि के बाद लिखित में आवेदन देला जे सरस्वती अपन मामा , मामी आ ममियौत बहिन संग मेला देखा गेल छल जाहि के बाद स वो लापता अछि। थानाध्यक्ष के द्वारा सनहा दर्ज क़ अपन कर्तव्य के समाप्ति बुझी लेला। एही घटना के बाद परिजन के काईन - काईन क़ हालत ख़राब भेल जा रहल छैन।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।