बिहार प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष पद स' अशोक चौधरी केर छुट्टी

पटना। 27 सितम्बर। बिहार कांग्रेस म' टूटक खबैर के बीच पार्टी आलाकमान द्वारा अशोक चौधरी क' अध्यक्ष पद सँ हटाओल गेल। प्राप्त जानकारी केर मुताविक कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी बिहार प्रदेश कांग्रेस कमिटी प्रमुख अशोक चौधरी क' तत्काल प्रभाव सँ पदमुक्त क' देना छथि। 

गौरतलब अछि कि बिहार म' महागठबंधन टुटबाक बादे स' बिहार कांग्रेस म' टूट केर खबैर आएब रहल छल। एहि प्रकरण ल'क' पार्टी आलाकमान अशोक चौधरी स' नाराज चैल रहल छल। 

खबैर आएब रहल अछि कि पार्टी आलाकमान द्वारा नवा कार्यकारी अध्यक्ष सेहो नियुक्त क' देल गेल अछि। प्राप्त जानकारी केर मुताविक कौकब कादरी क' बिहार प्रदेश कांग्रेस केर कार्यकारी अध्यक्ष बनाओल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने