सहरसा : लावारिश हालत म' ट्रेन स' 96 बोतल अंग्रेजी शराब बरामद

सहरसा। 27 सितम्बर। कैल्हि मंगल दिन रेल सुरक्षा बल क' ट्रेन स' लावारिश हालत म' 96 बोतल अंग्रेजी शराब बरामद करबा म' सफलता भेटल। दशहरा पाबनि ल'क' ट्रेन सभ म' चैल रहल सुरक्षा जांच केर दौरान सहरसा स्टेशन पहुंचल पूजा स्पेशल ट्रेन स' रेल सुरक्षा बल के जवान सभके लावारिश हालत म' एक बैगक तलाशी के दौरान शराब जब्त भेल। 

आरपीएफ इंस्पेक्टर अर्जुन कुमार यादव कहलनि कि आनंद विहार स' सहरसा आयल 44024 पूजा स्पेशल ट्रेन के सामान्य कोच म' एक बैग लावारिश हालत म' भेटल। ट्रेन रुकबाक बाद सब उतैर गेल मुदा बैग बोगी म' पड़ल रहल जाहिसँ 96 बोतल शराब बरामद कायल गेल। जब्त कायल गेल शराब डबल ब्लू आओर इपीसोड नामक ब्रांड अछि। 180 एमएल के  जब्त शराबक दाम खुला बाजार म' करीब 50 हजार अछि। सभ शराब हरियाणा निर्मित बताओल जे रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ