मधुबनी। 16 अगस्त। [मिहिर कुमार झा "बेला"] आए मिथिलांचल वासी बाढ़िक विभीषिका झेलबाक लेल विवश छथि। कोसी आओर भूतही बलान के बाढ़ि गढ़गांव, बसीपट्टी, बेनीपट्टी, द्वालख, महपतिया, डारह, भरगामा आओर बकुआ पंचायत के पूर्ण भाग तेँ मटरस, तरडीहा, करहारा, रहुआ संग्राम आओर भेजा पंचायत के पूर्वी हिस्सा म' तबाही मचा रहल अछि। ऐसी सभ पंचायत घर बाढ़िक केर चपेट म' अछि। पीड़ित परिवार सभ विस्थापित भ' जान - माल केर संग ऊंच जगह पर शरण लेना छथि। एहि क्षेत्र म' नाह केर भारी किल्लत अछि, जाहिक अभाव म' लोग सभ जान - माल केर संग आश्रय स्थल धरी नहि पहुँच पाबि रहल छथि। यातायात व्यवस्था पूर्णरुपे ठप भ' चुकल अछि।

एहेन विक्राल स्थिति म' बिहार सरकार आओर केंद्र सरकार बाढ़ि पीड़ितक मदैद लेल प्रयासरत अछि। ओतहि तन - मन आओर धन सँ अप्पन जानक परवाह केना बीना मिथिला स्टूडेंट यूनियन केर सेनानी सभ धन्यवादक पात्र छथि, जे एहि विक्राल स्थिति म' बाढ़ि पीड़ित सभक लेल विक्षाटन क' रहल छथि। धन्यवाद ओहि मिथिलाक लाल सभक जे सैकड़ों परिवार क' एहि विपत्तिक घड़ी म' विक्षाटन करि आर्थिक मदैद क' रहल छथि। हमरा सभ मैथिल क' एहि विपत्तिक घरी म' मिथिलांचल वासी सभक मदैद करबाक चाही।

मिथिला स्टूडेंट यूनियन केँ राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री रौशन कुमार मैथिल समस्त मिथिलांचल वासी सँ अपील केना छथि कि एहि विपत्तिक घरी म' सभ कियो आगू आएब बाढ़ि पीड़ित मैथिल सभक मदैद करि। रौशन कुमार मैथिल समस्त मिथिलांचल वासी सँ अपील करैत कहलनि कि हम अहाँ महानगर म' छी, हमरा सभके की पता बाढ़ि पूरा मिथिलांचल म' कोना अप्पन आतंक पसैर रहल अछि, कहियो नहि कहियो अपनहुँ केर सामना एहि आतंक सँ भेल होएत। एखुनका बाढ़िक स्थिति अपनहुँ नीक जोकि बुझी सकैत छी। हमर अहाँक छोट - चिन्ह सहयोग किनको थारी म' चुरा आओर सक्कर पहुंचा सकैत अछि। सभ कियो बाढ़ि पीड़ित सभक मदैद लेल खुदो आगू आबि आओर लोग सभके सेहो मदैद करबाक लेल प्रोत्साहित करि।
मिथिला स्टूडेंट यूनियन आम मैथिलजन सँ अपील करैत अछि कि एहि प्रस्तावक माध्यम क' आम समाजक प्रस्ताव मानैत इच्छूक सहयोगी अप्पन सहयोग राशि मिथिला स्टूडेंट यूनियन केँ कुनु भी सेनानी लग जमा करि वा मिथिला स्टूडेंट यूनियन के Paytm नंबर पर पठबी।
कुनु तरहक जानकारी लेल संपर्क करि ;
श्री रौशन कुमार मैथिल
राष्ट्रीय अध्यक्ष
मिथिला स्टूडेंट यूनियन मिथिला
संपर्क मोबाइल नंo: 7065796392
Sarkar purniya aa katihar seho dubal achhi woho mithilanchal ke hissa chhai umhro kanik dhyan diyo
जवाब देंहटाएंएक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।