मेरठ से लखनऊ जे रहल राज्यरानी एक्सप्रेस (ट्रेन नंबर 22454) दुर्घटनाग्रस्त, पटरी सँ उतरल 8 डिब्बा

लखनऊ। 15 अप्रैल। उत्तर प्रदेश के रामपुर मे राज्यरानी एक्सप्रेस केर  दुर्घटनाग्रस्त होयबाक खबैर आएब रहल अछि। प्राप्त जानकारीक मुताबिक ट्रेन के 8 डिब्बा पटरी सँ उतैर गेल अछि। राज्यरानी एक्सप्रेस मेरठ से लखनऊ जा रहल छल। ट्रेनक हादसा केर कारण एखन धरी पता नहि लगाओल जे सकल अछि। एहि हादसा मे बहुतो रास लोगक घायल होयबाक खबैर प्राप्त भेल अछि।  होने की खबर है

राज्यरानी एक्सप्रेस (ट्रेन नंबर 22454) के 8 डिब्बा आय शनिवार भोर रामपुर के ओसियापुर लग पटरी सँ उतैर गेल। बताओल जे रहल अछि कि ट्रेनक भीतर बहुत लोग दबल छथि। जिनका राहत एवं बचाव दल बाहर निकालबा मे जुटल अछि। कैको लोग के बाहर निकैल अस्पताल पहुँचाओल गेल अछि। घटना के बाद आसपास क लोग आओर जीआरपी मौका पर पहुंच गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने