अपने के बता दी की समस्तीपुर जिलाक मुफ्फसिल थाना क्षेत्र के भमरुपुर स्थित एक तालाब लग एक युवकक सिर कटल लाश बरामद बरामद भेल छल। लाश बरामद होयबाक बाद पुलिस मामला के छानबीन करैत लाश केर पहचान कोरबद्धा गाम निवासी जगदीश सहनी के रूप मे केलनि आओर हुनकर परिजन के ऐहिक सुचना देलनि।
अपन बेटाक हत्या केर सूचना भेटबाक बाद गमगीन परिजन थाना पहुँच बेटाक लाश ल' कानैत - बिलखैत अपन घर चल गेलथि आओर ओकर अंतिम संस्कार करबाक तैयारी करे लागलैंथ। अपन दामाद के हत्याक खबैर सुनते ससुर एहि हत्या मे पूर्व मंत्री के बेटाक संगे - संग 6 लोग के आरोपी बतौलनि।
जगदीश के ससुर दलसिंहसराय थाना मे पुलिस पदाधिकारि से कहलनि कि हुनकर दामाद पिछ्ला 4 दिन सँ लापता छल फेर फोन पर ई जानकारी देल गेल कि हुनकर हत्या क' देल गेल छल। अपराधी गर्दन कटल लाश के बोरा मे बंद करि नदी कात फेक फरार भ' गेल छल।
समस्तीपुर के एसपी नवल किशोर सिंह कहलनि कि जगदीश के गिरफ्तारी साइकिल चोरी करबाक आरोप मे भेल छैन्ह। आब पुलिस ई पता लगा रहल अछि कि आखिर ओ सिर कटल लाश किनकर छल। जाहि युवक के एहि हत्याकांड मे गिरफ्तार करि जेल भेजल गेल छल हुनका निर्दोष बाइज्जत बरी करि आगुक प्रक्रिया मे पुलिस लागल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।