नोटबंदी से गरीब सभ संतुष्ट, विरोध करब विपक्ष केर गलती : नीतीश कुमार

पटना। 14 मार्च। उत्तर प्रदेश आओर उत्तराखंड मे शानदार जीत पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो भारतीय जनता पार्टी (बीजेपी) क' बधाई देलनि। संगहि नीतीश कुमार नोटबंदी के विरोध के विपक्ष केर गलती बतौलन्हि। आगा ओ कहलनि कि विपक्षी पार्टी सभ एहि बातकेँ नजरअंदाज कएलनि कि नोटबंदी से गरीब सभ संतुष्ट छैथ। नीतीश कुमार ट्वीट केर माध्यम सँ कांग्रेस क' पंजाब मे बहुमत आओर मणिपुर-गोवा मे सभसे पैघ पार्टी बनबाक बधाई देलनि। 

नीतीश कुमार  रेखांकित कएलनि कि कांग्रेस आओर समाजवादी गठबंधन बिहार के महागठबंधन जोका सफल नहि रहल। आगा ओ कहलनि कि चुनाव मे नोटबंदी के विरोधक कुनु जरुरत नहि छल, किएकजे गरीब सभके नोटबंदी से राहत महसूस भेल छलैन्ह नोटबंदी से अमीर सभके दिक्कत भेल छलैन्ह। पार्टी सभ एहि बात केर अनदेखी कएलनि। 

गौरतलब अछि कि लोकसभा चुनाव से पहिने एनडीए से अलग होय बला नीतीश कुमार नोटबंदी के फैसला पर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी के संग ठाढ़ छलाह। कांग्रेस, तृणमूल कांग्रेस, आरजेडी, आप सहित कैको पार्टी नोटबंदी केर विरोध कएलनि, मुदा नीतीश नोटबंदीक खूब तारीफ केना छलाह। एहि बीच जेडीयू नेता शरद यादव सेहो यूपी आओर उत्तराखंड मे जनता के फैसलाक स्वागत कएलनि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ