बेनिपट्टी के बर्तमान डीएसपी निर्मला कुमारी अपन काजक लेल चहुओर चर्चा मे छथि


मधुबनी। 25 मार्च। [पंकज झा] बेनिपट्टी अनुमंडल के बर्तमान डीएसपी निर्मला कुमारी के जुझारू काज लोग सभक बिच सदिखन प्रशंसनीय रहल अछि। निर्मला कुमारी कखनो नशा मुक्त होयबाक लेल समाजक सभ वर्ग के जागृत करैत, तेँ कखनो बच्चा सभके शिक्षाक क्षेत्र मे आगू आनबाक लेल प्रयास करैत तेँ कखनो विकासक काज लेल सदिखन के सुर्खि मे रहैत छथि। 

अपराधी सभ निर्मला कुमारी केर नाम नात्र सँ काँपैत छथि। हिनक साहसिक काज के देखि कैको अपराधी नुका गेल छथि, अपराधी सभके सजा दियेबा मे निर्मला कुमारी कहियो पाछा नहि हटल छथि जे सराहनीय अछि। एहितरहक प्रासासनिक विभाग मे जुझारु अधिकारी हुवे तेँ वास्तव मे अपराध कम भ' जायत आओर अपराधि अपराध करबासँ बचता।  डीएसपी निर्मला कुमारी लोग सभक बिच रहिके हुनक समस्या सुनैत छथि आओर ओहि समस्या केर सामाधान करबाक लेल सदिखन प्रयासरत रहैत छथि। 

हालही में बेनीपट्टी बेहटा स्थित सरोज पुस्तकालय मे डीएसपी निर्मला कुमारी केर अध्यक्षता मे ग्रीन व क्लीन बेनीपट्टी अभीयान के तहत बेनीपट्टी बाजार केर सौंदर्यकरण व विकास करबाक लेल बुद्धिजिवि, समाज सेवी,जनप्रतिनिधी आओर प्रबुद्ध नागरीक सभक बैठक भेल, जाहिमे ग्रीन व क्लीन बेनीपट्टी आओर कैको विंदु पर वीचार विमर्श कायल गेल। जहियासँ डीएसपी निर्मला कुमारी क्षेत्र मे आयल छथि,  वास्तव मे अपराध  मे भारी कमी आयल अछि। जाति भेदभाव सँ दुर रहैत  निर्मला कुमारी लोग सभक सेवा कए अपन खुशी बुझैत छथि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ