कॉलेज आओर विश्वविद्यालय सभके बिहार दिवस पर भेटत फ्री Wi-Fi केर सौगात

पटना। 22 मार्च। बिहार दिवस के अवसर पर राज्य के छात्र-छात्रा सभके  सरकार दिस से बड़का सौगात भेटै बला अछि। आय बिहार दिवस केर मौक़ा पर बिहारक कॉलेज आओर विश्वविद्यालय सभमे फ्री वाई-फाई केर  सुविधा भेटब शुरू भ' जायत। राज्य सरकार बिहार के 308 कॉलेज आओर 9 विश्वविद्यालय मे आय सँ फ्री वाई-फाई सेवा देब शुर क' देत।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कैल्ह मंगल दिन बिहार उद्यमिता सम्मेलन ‘स्टार्टअप बिहार’ 2017 मे कहलनि कि आय इंटरनेट केर ज़माना अछि। युवा सभके ज्ञान अर्जित करबाक लेल इंटरनेट केर आवश्यकता पड़ैत अछि, एहिके देखैत राज्य मे जतेभी सरकारी कॉलेज आओर विश्वविद्यालय अछि, ओता मुफ्त वाई-फाई केर सुविधा देल जायत। बिहार दिवस के अवसर पर ई योजना लागू होयत। नीतीश कुमार कहलनि कि हमरा ई  एहसास भेल कि राज्य के युवा अंग्रेजी नहि बाइज पाबैत छथि, सभमे संवाद कौशल केर कमी अछि। संगहि आजुक युग मे जाधरि कम्प्यूटर के  ज्ञान नहि होयत, नीक रोजगार नहि भेटत। एहि सभके देखैत युवा सभक क्षमतावर्द्धन लेल कुशल युवा कार्यक्रम केर शुरूआत कायल गेल। ऐहिक तहत युवा सभके कम्प्यूटर स्कील, संवाद कौशल आओर व्यवहार कौशल के तीन मासक प्रशिक्षण देल जायत अछि। 

अपने के बता दी कम सँ कम 5 बरख धरी वाई-फाई केर सुविधा मुफ्त देल जायत। इंटरनेट उपयोग करबा पर कुनु सीमा तय नहि होयत। सरकार सभ कॉलेज मे 10 Mbps केर स्पीड सँ इन्टरनेट सेवा उपलब्ध कराओत। ओतहि IIT-पटना के 20 Mbps केर स्पीड देल जायत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने