
सहरसा। 08 मार्च। साक्षरताक लिहाज सँ बहुत पाछा चैल रहल बाढ़ि प्रभावित इलाका मे साइकिल आओर पोशाक योजना के बावजूद बच्चिया सभक पढ़बाक गति अपेक्षित बढ़त नहि पायब रहल अछि। मुदा आब 'बेटी-बचाओ, बेटी पढ़ाओ' अभियान केर असर निजी क्षेत्र मे सेहो देखबाक लेल भेट रहल अछि। निजी स्कूल सभमे जता टाका कमबैक प्रतिस्पद्र्धा रहैत अछि ओतहि एहि कड़ी मे एक निजी स्कूल एकलव्या सेंट्रल स्कूल साहसिक डेग उठौलन्हि अछि। विद्यालय प्रबंधन महिला दिवस केर उपलक्ष मे लगातार छात्रा सभक मुफ्त नामांकन करबाक निर्णय लेलन्हि अछि।
विद्यालय प्रबंधन समिति केर बैठक मे तीनों बोर्ड ऑफ डायरेक्टर मुकेश कुमार सिंह, अजय कुमार सिंह व प्रमोद कुमार सिंह अंतरराष्ट्रीय महिला दिवस के मौक़ा पर आय आठ मार्च दिन नर्सरी सँ नौवीं वर्ग तकक छात्रा सभक निःशुल्क नामांकन करबाक निर्णय लेलैन्ह। ई सुविधा विद्यालय के प्रतापनगर आओर सुलिन्दाबाद दुनु ब्रांच मे उपलब्ध कराओल गेल छल। निदेशक मुकेश कुमार सिंह कहला कि विद्यालय केर मुख्य उद्देश्य विद्यार्थि सभके स्वाध्याय के लेल प्रेरित करबाक अछि। उक्त निर्णय से बेटी- बचाओ, बेटी पढ़ाओ योजना क' बल भेटत आओर नारी शिक्षा क' बढ़ावा भेटत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।