विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मे उठल अलग मिथिला राज्य केर मांग

सहरसा। 20 मार्च। सहरसा जिला के बनगाँव गामक भगवती स्थान मे महाकवि विद्यापति स्मृति पर्व समारोह केर आयोजन सफलतापूर्वक संपन्न भेल। एहि समारोह क' संबोधित करैत दरभंगा प्रक्षेत्र केर आईजी उमाशंकर सुधांशु कहलनि कि विद्यापति केर महानता एहि बात सँ बुझल जे सकैछ कि भगवान शंकर के हुनक नौकर केर रूप मे रहे पड़लैन्ह। आग  आईजी उमाशंकर सुधांशु कहलनि कि मैथिली बहुत मधुर भाषा अछि।  एहि भाषा क' बढ़ावा भेटबाक चाहि।  एहि दौरान ओ विद्यापति क' महाकवि व विद्वान बतौलन्हि आओर लोग सभसँ अपन संस्कृति क' संरक्षित करबाक अपील कएलन्हि। 
एहि मौका पर विद्यापति स्मृति स्मारिका केर सेहो विमोचन कायल गेल। ओतहि एहि समारोह केर दौरान लोग सभ अलग मिथिला राज्य केर निर्माणक सेहो मांग उठौलन्हि। स्मृति पर्व समारोह मे मैथिली साहित्य अकादमी पटना के अध्यक्ष डॉ. कमलाकांत झा, पूर्व विधायक डॉ. आलोक रंजन, डॉ. के.एस. ओझा, डॉ. के.पी. यादव, पीसी खां, मुक्तेश्वर सिंह मुकेश सहित सहरसा व सुपौल जिलाक पुलिस अधीक्षक, अरविंद खां, संतोष झा सहित बहुतो रास ग्रामीण उपस्थित छला।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने